Brahmi PublicationArt, Culture and History of Mithila
मिथिलाक इतिहास, संस्कृति, कर्मकाण्ड, लिपि एवं कला पर शोधपरक आलेखक प्रकाशन ।
logo
A digital publishing platform ...
Contact
Bhavanath Jha

पं. भवनाथ झा

भवनाथ झा क जन्म 23 सितम्बर, 1968 ई. मे बिहारक वर्तमान मधुबनी जिला में झंझारपुर प्रखण्ड मे हटाढ रुपौली नामक गाम मे पगुलिवार बढियाम मूल मे भेल। हिनक पिता पं. अमरनाथ झा संस्कृत व्याकरण आ साहित्यक पारम्परिक विद्वान् रहथि। हिनक माताक नाम योगेश्वरी देवी छन्हि। पं. झाक जेठ भाय पं. शम्भुनाथ झा सेहो संस्कृत साहित्यक प्रख्यात विद्वान् एवं शिक्षक छथि। शिक्षा भवनाथ झा क प्रारम्भिक शिक्षा लक्ष्मीश्वर एकेडमी, सरिसब पाही मे भेल। ओतए सँ 1983 ई में माध्यमिक शिक्षा प्राप्त कए ई जगदीश नन्दन महाविद्यालय, मधुबनी सँ विज्ञान विषय मे अन्तर-स्नातक तथा रामकृष्ण महाविद्यालय, मधुबनी मे इतिहास, अंग्रेजी आ संस्कृत विषय सँ स्नातकक अध्ययन कएल। संस्कृत मे स्नातक प्रतिष्ठाक अध्ययन करबाक लेल ई महाराज लक्ष्मीश्वर सिंह महाविद्यालय चुनलनि, जतए पं. रामजी ठाकुर, पं. विश्वेश्वर झा आदि प्रख्यात विद्वान् अध्यापक रहथि।>> Read more>>

मैथिली संस्कृत एवं हिन्दी साहित्य मे योगदान >>एतय दबाऊ>>

.......................
Copyright: Bhavanath Jha, Email: bhavanathjha@gmail.com