Brahmi Publication

Top Menu

  • उद्देश्य
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति

Main Menu

  • उद्देश्य
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति
  • उद्देश्य
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति

logo

Brahmi Publication

  • उद्देश्य
    • जानकीपूजाविधि, (जानकीसहस्रनाम सहित), लेखक- पण्डित श्री शशिनाथ झा

      May 3, 2022
      0
    • article by Radha kishore Jha

      वेद या वेदान्त प्रतिपाद्य धर्म क्या है?

      October 28, 2021
      0
    • धर्मायण के आश्विन अंक के डिजिटल संस्करण का हुआ लोकार्पण

      September 21, 2021
      1
    • Kadamon ke Nishan

      मानवीय संवेदनाओं को समेटती डा. धीरेन्द्र सिंह की मैथिली कविताएँ- "कदमों के ...

      September 6, 2021
      0
    • Krishna-janma cover

      मनबोधकवि कृत कृष्णजन्म (प्रबन्धकाव्य), डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      May 2, 2021
      0
    • Kirtilata cover

      विद्यापति कृत कीर्त्तिलता, डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      May 2, 2021
      1
    • विद्यापति कृत कीर्तिगाथा एवं कीर्तिपताका, डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      विद्यापति कृत कीर्तिगाथा एवं कीर्तिपताका, डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      May 2, 2021
      1
    • अपभ्रंश काव्य में सौन्दर्य वर्णन

      अपभ्रंशकाव्य में सौन्दर्य वर्णन -डॉ. शशिनाथ झा

      April 30, 2021
      1
    • डाकवचन-संहिता

      डाकवचन संहिता (टिप्पणी-व्याख्या सहित विशुद्ध पाठ, सम्पूर्ण)- डॉ. शशिनाथ झा

      April 30, 2021
      1
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • Dayananda's merits

      ‘पितर’ के अर्थ में ‘अग्निष्वात्ताः’ शब्द का वास्तविक अर्थ क्या है?

      September 25, 2022
      0
    • Sanatana religion

      Hinduism versus Sanatana Dharma : Which of the two words is correct?

      May 10, 2022
      0
    • Krishnasthami

      ताही बीचै जनमल छोरा यानी उसी बीच छोरे श्रीकृष्ण का जन्म

      August 30, 2021
      0
    • सिरहर, सिरहड़

      मिथिलाक लोक-परम्परामे सिरहड़-सलामी

      August 7, 2021
      0
    • श्राद्ध-कर्म

      विपरीत परिस्थिति में श्राद्ध की शास्त्र-सम्मत विधि

      May 12, 2021
      0
    • डाकवचन-संहिता

      डाकवचन संहिता (टिप्पणी-व्याख्या सहित विशुद्ध पाठ, सम्पूर्ण)- डॉ. शशिनाथ झा

      April 30, 2021
      1
    • मिथिलाक प्राचीन सदाचार 01

      March 17, 2021
      0
    • Responsibilities of a Brahmana

      छठ का अर्घ्य- पण्डितजी की जरूरत क्यों नहीं?

      November 18, 2020
      1
    • Responsibilities of a Brahmana

      मैथिली लोकगीतों में नारी

      August 15, 2020
      0
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • manuscript from Mithila

      गोनू झा व्यक्तित्व आ इतिहासक स्रोतक रूपमे पंजी-विमर्श

      August 7, 2023
      0
    • धूर्तराज गोनू कर्णाट शासनक कालक ऐतिहासिक पुरुष छलाह

      August 4, 2023
      0
    • सतीप्रथा

      भारत में सती प्रथा पर हंगामे के इतिहास की सच्चाई

      June 3, 2023
      1
    • Arya Samaj

      जॉन मुइर की ‘मतपरीक्षा’ तथा दयानन्द के ‘सत्यार्थप्रकाश’ का ‘साइड इफैक्ट’

      May 21, 2023
      0
    • bipra-dhenu--

      भारतीयों का वेद 'रामचरितमानस'

      March 15, 2023
      0
    • Vritta Muktavali of Maithil Durgadatta

      मैथिल दुर्गादत्त ओ हुनक छन्दःशास्त्रीय ग्रन्थ 'वृत्तरत्नावली'

      September 23, 2022
      1
    • Lalkrishna Advani on Maithili language

      मैथिली आ अंगिका पर लालकृष्ण आडवानी की बाजल रहथि

      September 22, 2022
      0
    • mithila map

      मिथिला आ ओकर अस्मिताक निर्धारक तत्त्व

      August 31, 2022
      0
    • the terrible mistake of the renaissance

      19वीं शती के रिनेशाँ की वह भयंकर भूल...

      June 26, 2022
      0
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति
  • सनातन धर्म में बहुदेववाद बनाम धार्मिक स्वतंत्रता

  • क्या सनातन धर्म में बदलाव सम्भव नहीं है?

  • जॉन मुइर की ‘मतपरीक्षा’ तथा दयानन्द के ‘सत्यार्थप्रकाश’ का ‘साइड इफैक्ट’

  • छठ का अर्घ्य- पण्डितजी की जरूरत क्यों नहीं?

  • छठि परमेसरीक स्वरूप आ कथा

कंटक-शोधनपूजा-पाठलोक-वेद
Home›कंटक-शोधन›Buddha’s Worship in Mithila

Buddha’s Worship in Mithila

By Bhavanath Jha
September 9, 2019
277
1
Share:

मिथिलामे बुद्ध-पूजाक परम्परा

मिथिलामे भलें महान् दार्शनिक उदयनाचार्यकें बौद्धमतक खण्डन करबाक श्रेय देल जाइत हो आ कहल जाइत हो जे ओ बौद्धकें निर्मूल कएलनि। आ एहि सम्बन्धमे अनेक खिस्सा-पिहानी गढि दूनू मतक बीच शास्त्र-चिन्तनकें भयंकर युद्ध आ शत्रुताक रूपमे प्रचारित कएल जाइत हो मुदा सत्य इएह अछि जे समाज बुद्धकें अपन आराध्यक रूपमे मानैत रहल।

हमरालोकनिकें ई बुझबाक चाही जे दर्शनशास्त्रक दू मतक बीच जतए कतहु शास्त्रार्थ भेल हो ओ सभटा तत्त्वक अन्वेषणक लेल होइत रहल। आ जिनका ने शास्त्रसँ मतलब रहनि आ ने कोनो मतक ज्ञान रहनि ओ सामान्य लोक एहेन शास्त्रार्थकें दू टा राजाक बीच लड़ाइके रूपमे शत्रुता-मैत्रीक गणना करैत रहलाह।

वास्तविकता ई छल जे मिथिलामे सेहो बुद्धकें विष्णुक अवतार मानल जाइत छल आ हुनक मूर्ति ठाम-ठाम स्थापित छल। दार्शनिक स्तर पर जे मतवाद रहल हो मुदा सामाजिक आ धार्मिक स्तर पर मिथिलामे बुद्धदेव पूजित रहलाह।

वैशाख शुक्ल सप्तमी तिथि-

वैशाख शुक्ल सप्तमीकें बुद्धमूर्तिक अभिषेक आ पूजा होइत छल। एहि पूजाक मन्त्र बुद्धक वचनसँ होइत छल न कि वैदिक मन्त्रसँ। अर्थात् बुद्धक पूजनक विधान जे महायान शाखामे छल ओही मन्त्रसँ होइत छल।

ई पूजा सप्तमी तिथिकें पुष्य नक्षत्र रहला पर होइत छल आ तीन दिन धरि एकर उत्सव मनाओल जाइत छल।  एहि उत्सवमे चैत्य, मन्दिर आ घरकें सजाओल जाइत छल। एहि अवसर पर बौद्ध संन्यासीकें पुस्तक, भोजन, वस्त्र आदि दए सत्कार करब, संगहिं एहि दिन गरीब-गुरबाकें वस्त्र, अन्न आदि दान करबाक परम्परा समाजमे प्रचलित रहल। तीन दिन धरि नाच-गानक उल्लेख सेहो एतए कएल गेल अछि।

कर्णाट-कालक प्रख्यात धर्मशास्त्री म.म. चण्डेश्वर अपन कृत्यरत्नाकरमे ब्रह्मपुराणक वचन उद्धृत करैत लिखैत छथि जे अठाइसम कलियुगमे जखनि शाक्यलोकनि अपन धर्मकें छोड़ि भ्रष्ट भए गेलाह तखनि भगवान् विष्णु बुद्धक रूपमे अवतार लए धर्मकें फेरसँ व्यवहारमे अनलनि।

एहि दिन बुद्धक पूजाक संग आनो पूजाक विधान कएल गेल अछि-

गंगाक पूजा-

म.म. चण्डेश्वर ब्रह्मपुराणक एही स्थलक आधार पर वैशाख शुक्ल सप्तमीकें गंगाक पूजाक सेहो विधान करैत छथि। ओहि वचनक अनुसार वैशाख मासक शुक्ल पक्षक सप्तमी तिथि कें महात्मा जह्नु गंगाकें क्रोधवश पीबि गेलाह। मुदा फेर जखनि हुनका अपन काएहि कार्य पर पश्चात्ताप भेलनि तँ दहिना कानक छिद्र देने गंगाकें निकालि पुनः पृथ्वी पर प्रकत केलनि। महात्मा जह्नुक द्वारा गंगाकें पीयब आ फेर प्रकट करब एही दिन भेल छल तें एहि उपलक्ष्यमे गंगाक पूजा कएल जेबाक चाही।

ब्रह्मपुराणे
वैशाखे शुक्ल सप्तम्यां जाह्नवी जह्नुना पुरा।
क्रोधात् पीता पुनस्त्यक्ता कर्णरन्ध्रात्तु दक्षिणात्।।
तां तत्र पूजयेद् देवीं गङ्गां गगनमेखलाम्।

म.म. चण्डेश्वर कृत कृत्यरत्नाकर में उद्धृत ब्रह्मपुराणक पंक्ति

बुद्धक पूजा-

उपर्युक्त बुद्धपूजाक उल्लेख करैत कहैत छथि जे-
अष्टाविंशतिमे प्राप्ते विष्णुः कलियुगे सति।
शाक्यान् विनष्टधर्माँश्च बुद्धो भूत्वाप्रवर्तयत्।
तत्र पूज्यो भविष्योसौ पुष्यादिदिवसत्रयम्।
सर्वौषधैः सर्वगन्धैः सर्व्वबीजैश्च सर्व्वदा।
बुद्धार्चास्नपनं कार्यं शाक्योक्तैर्वचनैः शुभैः।।
अर्च्चा प्रतिमा
सुविचित्राणि कार्य्याणि चैत्त्यदेवगृहाणि च।
पूज्याः शाक्याश्च यतयः पुस्तकाहारचीवरैः।।
पुष्पवस्त्रान्नदानञ्च देयं दीनजनस्य च ।
त्रिदिनञ्चोत्सवः कार्य्यो नटनर्त्तनसंकुलः।।

म.म. चण्डेश्वर कृत कृत्यरत्नाकर में उद्धृत ब्रह्मपुराणक पंक्ति

ई अंश उद्धृत कएलाक बाद म.म. चण्डेश्वर अपन शब्दमे आगाँ लिखैत छथि जे बुद्धदेवक पूजा पुष्य नक्षत्र युक्त वैशाख शुक्ल सप्तमीकें कएल जेबाक चाही, मुदा गंगाक पूजामे पुष्य नक्षत्रक कोनो गणना नहिं। जाहि दिन वैशाख शुक्ल सप्तमी तिथि पड़ि जाए ओहि दिन गंगाक पूजा होएबाक चाही।
अत्र वैशाखशुक्लसप्तम्यामित्युपक्रमात् पुष्यादिदिवसत्रयमित्यभिधानात् पुष्ययुक्तवैशाखशुक्लसप्तम्यां बुद्धार्च्चादि गङ्गापूजा तु केवलायामपि।

म.म. चण्डेश्वर कृत कृत्यरत्नाकरमे वचन

म.म. चण्डेश्वर अपन शब्दमे गंगापूजा आ बुद्धपूजाक तिथिनिर्णय सेहो करैत छथि। तें एहिसँ बुझबाक चाही जे ई दूनू पर्व मिथिलामे प्रचलित छल आ तें कोन कोन दिन कोन पूजा होएत ताहि पर संदेहकें दूर करैत म.म चण्डेश्वर स्पष्ट व्याख्या केने छथि।

वाचस्पति मिश्रक कृत्यमहार्णव

म.म. वाचस्पति सेहो अपन ग्रन्थ कृत्यमहार्णवमे श्रावण शुक्ल द्वादशीकें धरणीव्रतक प्रसंग बुद्धमूर्तिक पूजा लिखने छथि। ओतए पूजाक पद्धति सेहो देल अछि। बुद्धक प्रत्येक अंगमे भिन्न भिन्न मन्त्रसँ पूजाक विधान कएल गेल अछि। ई पूजाविधि वराहपुराणसँ उद्धृत कए म.म. वाचस्पति लिखने छथि। ओ लिखैत छथि जे भविष्यपुराणमे सेहो इएह बात कहल गेल अछि।

एतए आधुनिक इतिहासकारलोकनि भ्रम पसारैत कहैत छथि जे मिथिलामे बुद्धक पूजा ब्राह्मण नहिं शूद्रक द्वारा कएल जाइत छल। मुदा उपर्युक्त उद्धरणमे कतहु एहि बातक संकेत नहि अछि जे ई शूद्रक पूजा थीक। एतेक धरि जे बौद्ध संन्यासीक आदर-सत्कार सेहो एहि उत्सव अंग छल। तीन दिनक उत्सव स्वयंमे महत्त्वपूर्ण अछि।

एहि विवेचनसँ सिद्ध होइत छल जे मिथिलामे 14म शतीमे बुद्धदेवक ई पूजा प्रचलित छल। तें बुद्धक मूर्ति जे भेटैत अछि तकरा अन्यथा नै लेल जेबाक चाही।

TagsBuddhist tradition in Mithila
Previous Article

देवता आ पितरक लेल निरामिष, सामिष आ ...

Next Article

Buddha’s worship in Mithila 02

0
Shares
  • 0
  • +
  • 0
  • 0
  • 0
  • 0

Bhavanath Jha

मिथिला आ मैथिलीक लेल सतत प्रयासरत

Related articles More from author

  • इतिहासकंटक-शोधनज्योतिष-विचारपर्यटन

    कतय छल विदेहक राजधानी मिथिला नगरी?

    September 9, 2019
    By Bhavanath Jha
  • Book cover nyayapalika-dasha-evam-disha
    कंटक-शोधन

    न्यायमूर्ति राजेन्द्र प्रसाद की पुस्तक “न्यायपालिका : दशा एवं दिशा” की भूमिका

    March 27, 2020
    By Bhavanath Jha
  • Havan during Durga-puja
    पाबनि-तिहारपूजा-पाठ

    Durga Puja Havan: दुर्गापूजामे हवन केना करी?

    September 8, 2019
    By Bhavanath Jha
  • Jitiya Parva in Mithila
    पाबनि-तिहारलोक-वेद

    Jitiya, Jiutiya Vrat: “गौरीप्रस्तार” नामक ग्रन्थ सँ उद्धृत, मिथिलाक पारम्परिक जितिया व्रतकथा

    September 8, 2019
    By Bhavanath Jha
  • Krishnasthami
    पाबनि-तिहारलोक-वेद

    ताही बीचै जनमल छोरा यानी उसी बीच छोरे श्रीकृष्ण का जन्म

    August 30, 2021
    By Bhavanath Jha
  • Sanatana religion
    कंटक-शोधनलोक-वेद

    Hinduism versus Sanatana Dharma : Which of the two words is correct?

    May 10, 2022
    By Bhavanath Jha

Leave a reply Cancel reply

अहाँकें इहो नीक लागत

  • the terrible mistake of the renaissance
    इतिहास

    19वीं शती के रिनेशाँ की वह भयंकर भूल…

  • इतिहासपाबनि-तिहारपूजा-पाठ

    श्रीराम का राज्याभिषेक किस दिन हुआ था? रामनवमी के दिन?

  • Maharaj Lakshmishwar Singh
    इतिहास

    दो कहानियाँ, महाराज लक्ष्मीश्वर सिंह की

  • Summary Remarks on The Resources Of The East Indies
    इतिहास

    एकटा दस्तावेज- नेपालक मकबानपुरक राजा सभ राज दरभंगाकें मालगुजारी दैत छलाह

  • Asiatic Researches; Or, Transactions Of The Society, Instituted In Bengal, For Inquiring Into The History And Antiquities, The Arts, Sciences, And Literature, Of Asia
    इतिहास

    Maithili in European records in 1802

कॉपीराइट की स्थिति

इस साइट का सर्वाधिकार पं. भवनाथ झा के पास सुरक्षित है। नियम एवं शर्तें लागू

सम्पर्क-

भवनाथ झा, Email: bhavanathjha@gmail.com whatsApp: 9430676240

शैक्षणिक उद्देश्य से कापीराइट की स्थिति

एहि वेबसाइटक सामग्रीक सर्वाधिकार पं. भवनाथ झा लग सुरक्षित अछि। शैक्षिक उद्देश्य सँ सन्दर्भ सहित उद्धरणक अतिरिक्त एकर कोनो सामग्रीक पुनरुत्पादन नहिं करी। जँ कतहु शैक्षिक उद्देश्यसँ सामग्री लेल जाइत अछि तँ ओहि वेबपृष्ठक URL सहित देल जा सकैत अछि।

  • उद्देश्य
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
  • इतिहास
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
  • वैधानिक
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति
Copyright: Bhavanath Jha- All rights Reserved, 2021