Brahmi Publication

Top Menu

  • उद्देश्य
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति

Main Menu

  • उद्देश्य
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति
  • उद्देश्य
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति

logo

Brahmi Publication

  • उद्देश्य
    • जानकीपूजाविधि, (जानकीसहस्रनाम सहित), लेखक- पण्डित श्री शशिनाथ झा

      May 3, 2022
      0
    • article by Radha kishore Jha

      वेद या वेदान्त प्रतिपाद्य धर्म क्या है?

      October 28, 2021
      0
    • धर्मायण के आश्विन अंक के डिजिटल संस्करण का हुआ लोकार्पण

      September 21, 2021
      1
    • Kadamon ke Nishan

      मानवीय संवेदनाओं को समेटती डा. धीरेन्द्र सिंह की मैथिली कविताएँ- "कदमों के ...

      September 6, 2021
      0
    • Krishna-janma cover

      मनबोधकवि कृत कृष्णजन्म (प्रबन्धकाव्य), डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      May 2, 2021
      0
    • Kirtilata cover

      विद्यापति कृत कीर्त्तिलता, डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      May 2, 2021
      1
    • विद्यापति कृत कीर्तिगाथा एवं कीर्तिपताका, डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      विद्यापति कृत कीर्तिगाथा एवं कीर्तिपताका, डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      May 2, 2021
      1
    • अपभ्रंश काव्य में सौन्दर्य वर्णन

      अपभ्रंशकाव्य में सौन्दर्य वर्णन -डॉ. शशिनाथ झा

      April 30, 2021
      1
    • डाकवचन-संहिता

      डाकवचन संहिता (टिप्पणी-व्याख्या सहित विशुद्ध पाठ, सम्पूर्ण)- डॉ. शशिनाथ झा

      April 30, 2021
      1
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • Dayananda's merits

      ‘पितर’ के अर्थ में ‘अग्निष्वात्ताः’ शब्द का वास्तविक अर्थ क्या है?

      September 25, 2022
      0
    • Sanatana religion

      Hinduism versus Sanatana Dharma : Which of the two words is correct?

      May 10, 2022
      0
    • Krishnasthami

      ताही बीचै जनमल छोरा यानी उसी बीच छोरे श्रीकृष्ण का जन्म

      August 30, 2021
      0
    • सिरहर, सिरहड़

      मिथिलाक लोक-परम्परामे सिरहड़-सलामी

      August 7, 2021
      0
    • श्राद्ध-कर्म

      विपरीत परिस्थिति में श्राद्ध की शास्त्र-सम्मत विधि

      May 12, 2021
      0
    • डाकवचन-संहिता

      डाकवचन संहिता (टिप्पणी-व्याख्या सहित विशुद्ध पाठ, सम्पूर्ण)- डॉ. शशिनाथ झा

      April 30, 2021
      1
    • मिथिलाक प्राचीन सदाचार 01

      March 17, 2021
      0
    • Responsibilities of a Brahmana

      छठ का अर्घ्य- पण्डितजी की जरूरत क्यों नहीं?

      November 18, 2020
      1
    • Responsibilities of a Brahmana

      मैथिली लोकगीतों में नारी

      August 15, 2020
      0
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • manuscript from Mithila

      गोनू झा व्यक्तित्व आ इतिहासक स्रोतक रूपमे पंजी-विमर्श

      August 7, 2023
      0
    • धूर्तराज गोनू कर्णाट शासनक कालक ऐतिहासिक पुरुष छलाह

      August 4, 2023
      0
    • सतीप्रथा

      भारत में सती प्रथा पर हंगामे के इतिहास की सच्चाई

      June 3, 2023
      1
    • Arya Samaj

      जॉन मुइर की ‘मतपरीक्षा’ तथा दयानन्द के ‘सत्यार्थप्रकाश’ का ‘साइड इफैक्ट’

      May 21, 2023
      0
    • bipra-dhenu--

      भारतीयों का वेद 'रामचरितमानस'

      March 15, 2023
      0
    • Vritta Muktavali of Maithil Durgadatta

      मैथिल दुर्गादत्त ओ हुनक छन्दःशास्त्रीय ग्रन्थ 'वृत्तरत्नावली'

      September 23, 2022
      1
    • Lalkrishna Advani on Maithili language

      मैथिली आ अंगिका पर लालकृष्ण आडवानी की बाजल रहथि

      September 22, 2022
      0
    • mithila map

      मिथिला आ ओकर अस्मिताक निर्धारक तत्त्व

      August 31, 2022
      0
    • the terrible mistake of the renaissance

      19वीं शती के रिनेशाँ की वह भयंकर भूल...

      June 26, 2022
      0
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति
  • सनातन धर्म में बहुदेववाद बनाम धार्मिक स्वतंत्रता

  • क्या सनातन धर्म में बदलाव सम्भव नहीं है?

  • जॉन मुइर की ‘मतपरीक्षा’ तथा दयानन्द के ‘सत्यार्थप्रकाश’ का ‘साइड इफैक्ट’

  • छठ का अर्घ्य- पण्डितजी की जरूरत क्यों नहीं?

  • छठि परमेसरीक स्वरूप आ कथा

धरोहरपूजा-पाठलोक-वेद
Home›धरोहर›मिथिलाक अष्टदल अरिपन

मिथिलाक अष्टदल अरिपन

By Bhavanath Jha
September 15, 2019
951
0
Share:

अरिपनक आवश्यकता

हमरालोकनि सभ केओ जनैत छी जे कोनो पूजामे मुख्य देवताक आवाहन एसकर नै होइत छनि। हुनक आवाहन अङ्ग देवता, अस्त्र-शस्त्र, वाहन एवं परिवारक संग होइत अछि। तें मन्त्रमे कहल जाइत अछि- साङ्गसायुधसवाहनसपरिवार।

Ashtadala on Shivalinga at Hajipur

हाजीपुरमे गौरीशंकर शिवलिंगक ऊपरमे बनाओल यंत्र

एहि प्रकारें हुनक स्थानक चारूकात घेरि कए हुनक अंगदेवता अप्रत्यक्ष रूपमे अपन-अपन निर्धारित स्थान पर अपनहिं स्थापित भए जाइत छथि आ मुख्यदेवताक आवरण रूपमे चारूकात रहैत छथि। सभ अस्त्र-शस्त्र, परिवार देवता, परिजन, परिकर, वाहन सभक स्थान निर्धारित छैक, सभक संख्या सेहो प्रत्येक देवताक लेल निर्धारित छनि। एही कारणें पूजाक पटल (यन्त्र माने अरिपन) देल जाइत अछि।

अरिपनक स्वरूप

शास्त्रीय यन्त्रक कर्णिका, केशर, दल आ भूपुर ई चारि टा अंग होइत अछि। एकर अतिरिक्त मण्डल मे ई विभाजित रहैत अछि।
मिथिलाक अरिपन मूल रूपसँ यैह शास्त्रीय यन्त्र थीक, जाहिमे आब भूपुरक रेखांकन समाप्त भए चुकल अछि, मुदा एखनहुँ कर्णिका, केशर आ दल प्रत्यक्ष विद्यमान अछि। एहि तीनू टाक शुद्धता पर आइयो ध्यान राखब आवश्यक।
एतय शुद्धताक अर्थ ई जे कमसँ कम संख्याक पालन कएल जाए। टेढ-सोझ भए सकैत अछि, मुदा कर्णिकाक स्वरूप, केसरक संख्या आ दलक संख्या मे परिवर्तन नै होएबाक चाही। कारण जे मुख्यदेवताक परिजन आ परिकरक संख्या जखनि निर्धारित अछि तखनि ओहिमे कमी-बेशी कोनो प्रकारें उचित नै।
मिथिलामे देवीक पूजामे षट्दल आ पुरुषदेवताक पूजामे अष्टदलक प्रचलन अछि।
तैं सत्यनारायण भगवानक पूजामे अष्टदल देल जाइत अछि। एतबे नहिँ, महादेवक विशेष पूजामे, जेना रुद्राभिषेक आदि मे सेहो अष्टदलक निर्माण होएबाक चाही। एकर परम्परा मिथिलामे रहल अछि। गौरीशंकर, जमुथरिक महादेव आ हाजीपुरक गौरीशंकर आ आनोठाम महादेवक स्थापना अष्टदल पर भेल अछि। जँ घरोमे रुद्राभिषेक आदि विशेष पूजामे एकर व्यवहार कएल जाए तँ उत्तम।

अष्टदलक निर्माणक प्रथम चरणमे एकर कर्णिका सेहो आठकोण वला होएबाक चाही। एकर निर्माण विधि एना अछि। सभसँ पहिने चित्रानुसार एहन आकृति बनाबीः-

एकर बाद कर्णिका कें अष्टकोणीय बनबैत एक रेखा कें दोसरसँ मिलाबी जाहिसँ एहन आकृति बनि जाएत।

एकर बाद एकटा वृत्त बनाबी। एकरा लेल एक विन्दुसँ दोसर विन्दु कें मिलौला सँ बनि एना बनि जाएत।

तकर बाहर आठ टा दल बनाबी।

आब अरिपनक रेखांकन भए गेल। एहिमे कलाकारी भेल जे बीचक कर्णिका एहि प्रकारक देखाए।

अष्टदलमे अष्टकोणीय आ षट्दलमे षट्कोणक कर्णिका अनिवार्य अछि।
आब ध्यानसँ देखू जे कर्णिकाक बाहर दू चक्रमे आठ टा कें त्रिभुज बनि गेल अछि। ई दूनू आवरण थीक। एकरे केशर कहल जाइत अछि। दू आवरणमे केशर रहबाक चाही। तखनि ने भगवानक परिवार देवता आ परिजन देवताक लेल स्थान बनत। एको टा आवरण जँ छुटि जाएत तँ ओएह अशुद्धि भेल।
एकर बाद दू टा केशरक बीच जे स्थान अछि ओहिमे भगवानक अस्त्र-शस्त्र आ हुनक धारण करबाक वस्तु सभ लिखल जाएत। एकर अनेक परम्परा अछि। एतहि आबि अरिपन मे अंतर भए सकैत छैक। प्रत्येक देवताक लेल अलग अलग वस्तु रहैत अछि। एहिमे ध्यान राखी जे कोनो घर छुटए नै।
एहि प्रकारें शुद्धतापूर्वक अरिपन बनाबी। ई अरिपन देवताक संग हुनक अंगदेवता सभक स्थान होइत छनि।

एकटा दलक रेखांकन

पूजा करबाक लेल जे अरिपन देल जाएत ओहि मे कर्णिका पर दू टा पयर रहत। एहि दूनू पयरक अंगुरी सभ पूजा केनिहारक दिस रहबाक चाही। तखनि सम्मुख पूजा होएतैक। कल्पना करी जे भगवान् आगाँमे ठाढ छथि। तखनि हुनक पयरक अंगुरी पूजा केनिहार दिस रहबाक चाही।

एतए अष्टदल कमलक मूल वस्तु देखाओल गेल अछि। एकर आठो टा दल पर शंख, चक्र, तरुआरि, गदा, कमलक फूल, डमरू, स्वस्तिक आ धनुषक अंकन होइत छैक। मुदा ई चिह्न कौलिक परम्परानुसार बदलैत अछि। तें कोन कोन चिह्न दल पर देल जेतैक से घरक बूढ-पुरान लोकसँ जनबाक प्रयास करी। परम्परा कें सुरक्षित राखी।

प्राचीन कालमे एहि सभ दल पर मातृकावर्ण लिखल जाइत छल, मुदा आब ओ परम्परा समाप्त भए गेल अछि। शास्त्रीय ग्रन्थ सभमे आ स्थापित मूर्ति सभमे ई भेटैत अछि। जेना गौरीशंकरमे आठो टा दल पर अ सँ ह धरि अक्षर लिखल अछि।

पहिने मिथिलाक महिला एतेक पढलि-लिखलि रहथि जे अपनहिं सँ विधानपूर्वक यन्त्र बना लैत छलीह, मुदा बीचमे ई परम्परा विलुप्त भए गेल अछि। प्रसन्नताक विषय जे आब महिलालोकनि नीक पढल-लिखल छथि। हुनकासँ आशा जे परम्पराकें फेरसँ जगाबथि। कलाकारीक नाम पर एकर मूल रूपकें दूरि करबाक प्रवृत्ति उचित नै।

मिथिलामे गोसाउनिक सीर पर जे आरतक पात साटल जाइत अछि ओहि पर पहिने यन्त्र लिखल जाइत छल आ यन्त्रपूजाक विधान आ परम्परा छलैक। एहिना छठिक अर्घौती पर सेहो सूर्यक यन्त्र लिखाइत छल हैत से कल्पना कए सकैत छी। मुदा आब केवल कागज बचि गेल अछि। इहो जनबाक चाही जे पहिने तूरसँ कागज बनाओल जाइत छल। ओकरे घसाएल रूप आधुनिक आरतक पात थीक।

TagsAlpanareligious drawingअरिपनअल्पना
Previous Article

रामचरितमानस के प्रथम संस्करण की विशेषता

Next Article

संसार के आदि शिल्पी विश्वकर्मा एवं उनकी ...

0
Shares
  • 0
  • +
  • 0
  • 0
  • 0
  • 0

Bhavanath Jha

मिथिला आ मैथिलीक लेल सतत प्रयासरत

Related articles More from author

  • a folia of palm leaf
    इतिहासधरोहरलोक-वेद

    History of Panji in Mithila and its relevancy

    September 11, 2019
    By Bhavanath Jha
  • Bhaiya dooj and godhana in Bhojpuri culture
    धरोहरपाबनि-तिहार

    भोजपुरी-संस्कृति फूहड़ नहीं, सनातन की कोमलता और मानवीयता से भरी-पूरी है- ‘धर्मायण’ पत्रिका, महावीर मन्दिर, पटना प्रकाशन

    October 26, 2022
    By Bhavanath Jha
  • child saver Goddess Mundeshvari
    पाबनि-तिहारलोक-वेद

    छठि परमेसरीक स्वरूप आ कथा

    October 31, 2019
    By Bhavanath Jha
  • धरोहर

    राज दरभंगा के अधीन 1815ई. में होती थी काॅफी की खेती

    September 29, 2021
    By Bhavanath Jha
  • देवी सरस्वती का चित्र
    पूजा-पाठ

    Sarasvati-rahasyopanishat: सरस्वती माताक रहस्यसँ सम्बन्धित- सरस्वतीरहस्योपनिषत्

    January 11, 2020
    By Bhavanath Jha
  • धरोहर

    बिहार के पर्यटन पर जरूरी किताबें- सोनपुर पर्यटन एवं बोधगया

    February 12, 2020
    By Bhavanath Jha

Leave a reply Cancel reply

अहाँकें इहो नीक लागत

  • Civil disobedience movement in Madhubani and Rajnagar
    इतिहास

    मधुबनीमे असहयोग आन्दोलन आ अंगरेजी किरासन तेलक बहिष्कार -कांग्रेसक मजबूत संगठन

  • Asiatic Researches; Or, Transactions Of The Society, Instituted In Bengal, For Inquiring Into The History And Antiquities, The Arts, Sciences, And Literature, Of Asia
    इतिहास

    Maithili in European records in 1802

  • कुलधर्म
    इतिहासकंटक-शोधन

    क्या है कुलधर्म? क्या यूरोपीयनों ने इसी को टार्गेट कर भारत को गुलाम बनाया था

  • Maharaj Lakshmishvara Singh
    इतिहास

    दरभंगा महाराज लक्ष्मीश्वर सिंह द्वारा अकाल राहत कोष

  • mithila map
    इतिहासमैथिली साहित्य

    दरभंगा शासनक दिससँ मैथिलीक लेल प्रयास आ सरकारक स्थिति- 1933ई.

कॉपीराइट की स्थिति

इस साइट का सर्वाधिकार पं. भवनाथ झा के पास सुरक्षित है। नियम एवं शर्तें लागू

सम्पर्क-

भवनाथ झा, Email: bhavanathjha@gmail.com whatsApp: 9430676240

शैक्षणिक उद्देश्य से कापीराइट की स्थिति

एहि वेबसाइटक सामग्रीक सर्वाधिकार पं. भवनाथ झा लग सुरक्षित अछि। शैक्षिक उद्देश्य सँ सन्दर्भ सहित उद्धरणक अतिरिक्त एकर कोनो सामग्रीक पुनरुत्पादन नहिं करी। जँ कतहु शैक्षिक उद्देश्यसँ सामग्री लेल जाइत अछि तँ ओहि वेबपृष्ठक URL सहित देल जा सकैत अछि।

  • उद्देश्य
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
  • इतिहास
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
  • वैधानिक
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति
Copyright: Bhavanath Jha- All rights Reserved, 2021