Brahmi Publication

Top Menu

  • उद्देश्य
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति

Main Menu

  • उद्देश्य
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति
  • उद्देश्य
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति

logo

Brahmi Publication

  • उद्देश्य
    • जानकीपूजाविधि, (जानकीसहस्रनाम सहित), लेखक- पण्डित श्री शशिनाथ झा

      May 3, 2022
      0
    • article by Radha kishore Jha

      वेद या वेदान्त प्रतिपाद्य धर्म क्या है?

      October 28, 2021
      0
    • धर्मायण के आश्विन अंक के डिजिटल संस्करण का हुआ लोकार्पण

      September 21, 2021
      1
    • Kadamon ke Nishan

      मानवीय संवेदनाओं को समेटती डा. धीरेन्द्र सिंह की मैथिली कविताएँ- "कदमों के ...

      September 6, 2021
      0
    • Krishna-janma cover

      मनबोधकवि कृत कृष्णजन्म (प्रबन्धकाव्य), डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      May 2, 2021
      0
    • Kirtilata cover

      विद्यापति कृत कीर्त्तिलता, डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      May 2, 2021
      1
    • विद्यापति कृत कीर्तिगाथा एवं कीर्तिपताका, डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      विद्यापति कृत कीर्तिगाथा एवं कीर्तिपताका, डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      May 2, 2021
      1
    • अपभ्रंश काव्य में सौन्दर्य वर्णन

      अपभ्रंशकाव्य में सौन्दर्य वर्णन -डॉ. शशिनाथ झा

      April 30, 2021
      1
    • डाकवचन-संहिता

      डाकवचन संहिता (टिप्पणी-व्याख्या सहित विशुद्ध पाठ, सम्पूर्ण)- डॉ. शशिनाथ झा

      April 30, 2021
      1
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • Dayananda's merits

      ‘पितर’ के अर्थ में ‘अग्निष्वात्ताः’ शब्द का वास्तविक अर्थ क्या है?

      September 25, 2022
      0
    • Sanatana religion

      Hinduism versus Sanatana Dharma : Which of the two words is correct?

      May 10, 2022
      0
    • Krishnasthami

      ताही बीचै जनमल छोरा यानी उसी बीच छोरे श्रीकृष्ण का जन्म

      August 30, 2021
      0
    • सिरहर, सिरहड़

      मिथिलाक लोक-परम्परामे सिरहड़-सलामी

      August 7, 2021
      0
    • श्राद्ध-कर्म

      विपरीत परिस्थिति में श्राद्ध की शास्त्र-सम्मत विधि

      May 12, 2021
      0
    • डाकवचन-संहिता

      डाकवचन संहिता (टिप्पणी-व्याख्या सहित विशुद्ध पाठ, सम्पूर्ण)- डॉ. शशिनाथ झा

      April 30, 2021
      1
    • मिथिलाक प्राचीन सदाचार 01

      March 17, 2021
      0
    • Responsibilities of a Brahmana

      छठ का अर्घ्य- पण्डितजी की जरूरत क्यों नहीं?

      November 18, 2020
      1
    • Responsibilities of a Brahmana

      मैथिली लोकगीतों में नारी

      August 15, 2020
      0
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • श्राद्ध और पितृकर्म पर एक खुली बहस- सनातन धर्म हमें जोड़कर रखता ...

      October 2, 2023
      0
    • manuscript from Mithila

      गोनू झा व्यक्तित्व आ इतिहासक स्रोतक रूपमे पंजी-विमर्श

      August 7, 2023
      0
    • धूर्तराज गोनू कर्णाट शासनक कालक ऐतिहासिक पुरुष छलाह

      August 4, 2023
      0
    • सतीप्रथा

      भारत में सती प्रथा पर हंगामे के इतिहास की सच्चाई

      June 3, 2023
      1
    • Arya Samaj

      जॉन मुइर की ‘मतपरीक्षा’ तथा दयानन्द के ‘सत्यार्थप्रकाश’ का ‘साइड इफैक्ट’

      May 21, 2023
      0
    • bipra-dhenu--

      भारतीयों का वेद 'रामचरितमानस'

      March 15, 2023
      0
    • Vritta Muktavali of Maithil Durgadatta

      मैथिल दुर्गादत्त ओ हुनक छन्दःशास्त्रीय ग्रन्थ 'वृत्तरत्नावली'

      September 23, 2022
      1
    • Lalkrishna Advani on Maithili language

      मैथिली आ अंगिका पर लालकृष्ण आडवानी की बाजल रहथि

      September 22, 2022
      0
    • mithila map

      मिथिला आ ओकर अस्मिताक निर्धारक तत्त्व

      August 31, 2022
      0
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति
  • सनातन धर्म में बहुदेववाद बनाम धार्मिक स्वतंत्रता

  • क्या सनातन धर्म में बदलाव सम्भव नहीं है?

  • जॉन मुइर की ‘मतपरीक्षा’ तथा दयानन्द के ‘सत्यार्थप्रकाश’ का ‘साइड इफैक्ट’

  • छठ का अर्घ्य- पण्डितजी की जरूरत क्यों नहीं?

  • छठि परमेसरीक स्वरूप आ कथा

पाबनि-तिहारपूजा-पाठलोक-वेद
Home›पाबनि-तिहार›मिथिलाक चौरचन, भाद्र शुक्ल चतुर्थी कें चन्द्रमाक पूजाक इतिहास

मिथिलाक चौरचन, भाद्र शुक्ल चतुर्थी कें चन्द्रमाक पूजाक इतिहास

By Bhavanath Jha
September 8, 2019
330
0
Share:
चौठीचानक पूजा, मिथिलाक पर्व

चौठचन्द्र मिथिलाक विशिष्ट पर्व थीक जे आनठाम कतहु नहिं होइत अछि। एहिमे पकमान आ दहीक विशेष महत्त्व अछि। सन्तानक उन्नतिक कामनासँ चन्द्रमाक आराधना एहि दिन कएल जाइत अछि। मिथिलामे प्रख्यात ज्योतिषी हेमाङ्गद ठाकुर ई पूजा आरम्भ कएलनि, से साक्ष्य सभसँ सिद्ध होइत अछि। एकर विवरण नीचाँ देल गेल अछि।

ई चौठचन्द्र पूजा सन्ध्याकालिक चतुर्थी तिथिमे होइत अछि। जाहि सन्ध्यामे चतुर्थीक चन्द्रमा उदय हो ताहिमे पूजा करबाक चाही। जँ दूनू दिन चन्द्रोदय कालमे चतुर्थी तिथि पड़ए तँ दोसर दिन पूजा होएबाक चाही। पूजा पुरुष अथवा महिला दूनू करैत छथि। भरि दिन व्रत कए सन्ध्यामे पूजा करी।

चतुर्थीचन्द्र पूजाक निर्णय

मिथिलामे चौठचन्द्रक सम्बन्धमे चण्डेश्वरक ग्रन्थ (14म शती) “कृत्यरत्नाकर”मे सेहो उल्लेख भेटैत अछि। ओतए ई कहल गेल अछि जे भाद्र शुक्ल चतुर्थीक चन्द्रमाक दर्शन कएला सँ मिथ्या कलंक लगैत अछि। तें ओहि दिन चन्द्रमाक दर्शन नहिं करी। एहि पंक्तिक मूल ओ नहिं कहि, एकरा परम्परासँ जानल गेल शिष्टवचनक रूपमे लिखैत छथि। संगहि ब्रह्मपुराणक कथा सेहो उद्धृत करैत छथि जे एही राति स्वयं नारायण पर सेहो एही चन्द्रमाक इजोरियामे कलंक लागल रहनि तें ओ कलंक मनुष्यो कें लागत।

तें धोखा सँ जँ चन्द्रमाक दर्शन भए जाए तँ ई धात्रेयिका वाक्य पूव मुँहें अथवा उत्तर मुँहें ठाढ़ भए पढी़। ई धात्रेयिका वाक्य विष्णुपुराण सँ उद्धृत करैत छथि- सिंहः प्रसेनमवधीत् इत्यादि।

कृत्यरत्नाकरक एहि अंशसँ स्पष्ट नहिं होइत अछि जे चौठचन्द्रक वर्तमान स्वरूप कहियासँ प्रारम्भ भेल।

पर्व-निर्णयमे एकर प्रसंग

एहि सम्बन्धमे मुकुन्द झा बख्शीक मिथिलाभाषामय इतिहास कें उद्धृत करैत पर्वनिर्णयक सम्पादक कुशेश्वर शर्मा एकर प्रचारक तिथि निर्धारित करैत छथि जे-

मिथिलाराज्योपार्जकबुधवरठक्कुरमहेशसूनुः।

करविगणनातिकालाद् दिल्लीकारागृहे रुद्धः।।

हेमाङ्गदो नरेशो ज्यौतिषशास्त्राब्धिपारगो विद्वान्।

राहूपरागपञ्जीं कृत्वा तत्रालिखत् कुड्ये।।

अनुपदमेतं सम्राडकबर आदृत्य विससर्ज।

राज्ञाऽऽगतेन देशे प्रवर्तिता नभस्यसिततुर्येन्दोः।

कुगजग्रह(981) यवनाब्दात् दिल्ल्यामङ्गीकृता पूजा।।

अर्थात् मिथिला राज्यक उपार्जक महेश ठाकुरक बेटा समय पर कर नहिं देबाक कारणें दिल्लीक कारागारमे बन्द कएल गेलाह। ओ ज्योतिष शास्त्रक उद्भट विद्वान् राजा हेमाङ्गद ठाकुर रहथि। ओ ओहि कारागारक दिवाल पर ग्रहणक तालिका (ग्रहणमाला नामसँ प्रकाशित ग्रऩ्थ) बनाए लिखलनि। एकर परिणामस्वरूप सम्राट् अकबर हुनका आदरपूर्वक छोडि़ देलकनि। ओ राजा जखनि अपन घर घुरलाह तँ भाद्र शुक्लक चतुर्थी तिथि कें चन्द्रमाक पूजा प्रारम्भ कएलनि। 981 हिजरीमे ओ दिल्लीमे ई पूजा कएने रहथि।

981 हिजरीक भादव मासक समय 1573 ई.मे पडै़त अछि। तें एहि आधार पर मिथिलामे 1573 ई. सँ ई पूजा आरम्भ भेल होएत।

पूजाक दिनक निर्णय

म.म. अमृतनाथक कृत्यसारसमुच्चय मे एकर वर्तमान रूपक उल्लेख नहिं भेटैत अछि। मुदा एकर सम्पादक पं. गङ्गाधर मिश्र टिप्पणीमे एकर उल्लेख करैत छथि-

कृत्यसारसमुच्चयक संगत पृष्ठ पर्वनिर्णय मे पृष्ठ संख्या 70 पर पण्डित जीवनाथ (राय) शर्माक लिखल चतुर्थीचन्द्रादर्शनम् शीर्षकसँ एकटा निबन्ध अछि, जाहिमे विस्तृत रूपसँ एहि पर्वक तिथि निर्णय देल गेल अछि। ई जीवनाथ शर्मा विरसायर ग्रामक निवासी रहथि आ 1930-35 ई. मे लहेरियासरायक नौर्थब्रुक हाइस्कूलमे संस्कृतक अध्यापक रहथि। हुनक ई निबन्ध मूल रूपसँ एना अछि-

भाद्रशुक्लचतुर्थ्यां चन्द्रदर्शनं द्रष्टुर्मिथ्याभिशापजनकम् ततो वर्जनीयम् तथा च मार्कण्डेयः-सिंहादित्ये शुक्लपक्षे चतुर्थ्यां चन्द्रदर्शनम्।मिथ्याभिशापं कुरुते तस्मात् पश्येन्न तं सदा।तदेति- चतुर्थ्यामित्यर्थः। इयं चतुर्थी चन्द्रोदयव्यापिनी ग्राह्या।कर्मणो यस्य यः कालस्तत्कालव्यापिनी तिथिः।इति वचनात्। उभयदिने चन्द्रोदयव्याप्तौ पञ्चमीयुतैव ग्राह्या।मुन्यग्निक्रतुभूतानि षड्मुन्योर्वसुरन्ध्रयोः।इत्यादिनिगमात्।
तेन तृतीयायामुदितस्य चन्द्रस्य चतुर्थ्यां दर्शने चतुर्थ्यामुदितस्य पञ्चम्यां दर्शने च न दोषः। पूर्वदिने चतुर्थ्यामुदितस्य चतुर्थ्यामपि दर्शने दोषाभाव एवं, उभयदिनव्याप्तौ पूर्वदिनैकादश्यामन्नाद्याहारवत्। चतुर्थ्यामुदितस्य तु चतुर्थ्यां प्रमादाद् दर्शने स्यमन्तकोपाख्यानस्मरणेन तदन्तर्गतधात्रेयिकामात्रपाठेन वा तद्दोषशान्तिः। तदुक्तं ब्रह्मपुराणे-
नारायणोऽभिशप्तस्तु निशाकरमरीचिषु।
स्थितश्चतुर्थ्यामद्यापि मनुष्यानारतेच्च सः।।
अतश्चतुर्थ्यां चन्द्रन्तु प्रमादाद् वीक्ष्य मानवः।
पठेद् धात्रेयिकावाक्यं प्राङ्मुखो वाप्युदङ्मुखः।।
नारायणः श्रीकृष्णः। अभिशप्तः मिथ्यापरीवादाभिभूतः।
सः अभिशापः।
धात्रेयिकावाक्यं तु-
सिंहः प्रसेनमवधीत् सिंहो जाम्बवता हतः।
सुकुमारक मा रोदीस्तव ह्येष स्यमन्तकः।।
इति स्यमन्तकोपाख्यानस्मरणेन चतुर्थीचन्द्रदर्शनदोषक्षालनं विष्णुपुराणे तदुपाख्यानान्त एवोक्तम्। तद् यथा-
इत्येतद् भगवतो मिथ्याभिशस्तिक्षालनं यः स्मरति न तस्य कदाचिदल्पापि मिथ्याभिशस्तिर्भवति, अहताखिलेन्द्रियश्चाखिलपापमोक्षमवाप्नोति। इति
पूर्वोक्तधात्रेयिकावाक्यपाठोऽप्येतदुपाख्यानस्मरणार्थं एवं मिथिलायां शिष्टजनपरिगृहीतलोकाचारनुमोदितभाद्रशुक्लचतुर्थीचन्द्रपूजने धात्रेयिकावाक्येन चन्द्रदर्शनं कृत्वा स्यमन्तकोपाख्यानञ्च श्रूयते।
यद्यपि पूर्वोक्तब्रह्मपुराणवचनात् स्कन्दपुराणोक्तस्यमन्तकोपाख्यानाच्च भगवतो गणेशस्य शापेन सर्वमासीय शुक्लचतुर्थीचन्द्रस्य दर्शनानर्हता तस्यैव च शापानुग्रहेण द्वितीयासु तद्दर्शनोत्तरं चतुर्थीषु तद्दर्शनदोषाभावश्च प्रतीयते तथापि पूर्वोक्तमार्कण्डेयवचनात् ब्रह्मपुराणवचनाच्च भाद्रशुक्लचतुर्थ्यां धात्रेयिकावाक्यपाठमन्तरेण चन्द्रदर्शनं नोचितमितियवसेयम्।।

मिथिलामे पर्व-निर्णय ग्रन्थक प्रामाणिकता

ध्यातव्य जे 1934 ई. में दरभंगामे धर्मशास्त्रीय निर्णयक लेल एकटा विशाल परिषदक गठन भेल छल। ओ विद्वान् लोकनि भरि सालक पाबनि-तिहार पर 83 टा विस्तृत निबन्ध लिखलनि। एक विद्वान् कें एक विषय पर निबन्ध लीखि अपन निर्णय देबाक आग्रह कएल गेल छल। ओहिमे सँ किछु विद्वान् दू-तीन विषय पर अपन निर्णय देल, मुदा अधिकांश विद्वान् एक-एक विषय पर लिखलनि।

एकर सम्पादक छलाह कुशेश्वर कुमर शर्मा, आ 16 विद्वानक समिति एहि सभ निबन्धक पुनरीक्षण कएलनि। एहिमे विशेष रूपसँ महावैयाकरण दीनबन्धु झाक सहयोग रहलनि। ई ग्रन्थ बहुत दिन धरि अप्रकाशिते रहल। 

1985 ई. मे पं. गोविन्द झाक अथक परिश्रमसँ तिरहुतामे लिखल सभटा निबन्ध देवनागरीमे उतारल गेल आ ओकर प्रकाशक भेलाह नगेन्द्र कुमार शर्मा। एहि ग्रन्थ पर भूमिका लिखलनि भारतक प्रधान न्यायाधीश न्यायमूर्ति पी. एन. भगवती। मिथिला मे एहि ग्रन्थ कें धर्मशास्त्रीय निर्णयक लेल प्रामाणिक मानल गेल। आब तँ ई अनुपलब्ध भए गेल अछि।)

स्यमन्तक मणिक कथा

स्यमन्तक मणिक कथा एहि प्रकारें अछि- कृष्ण जखनि द्वारकाक राज रहथि तँ सत्राजित् नामक एकटा सामन्त सूर्यक उपासना कए एकटा एहन मणि प्राप्त कएल जाहिसँ आठ भार सोना बनैत छल।

एक बेर वार्ताक प्रसंगमे कृष्ण सत्राजित् सँ ओ स्यमन्तक मणि माँगि लेलनि मुदा सत्राजित् ओ मणि कृष्ण कें नहिं दए अपन सोदर भाए प्रसेनजित् कें देल। प्रसेनजित् ओ लए एक दिन वनमे शिकार खेलाए गेलाह जतए हुनका सिंह मारि देलक। जखनि प्रसेनजित् बहुत दिन धरि नहिं घुरलाह तँ सत्राजित् प्रजामे दुष्प्रचार करए लगलाह जे कृष्ण हमर भाए कें मारि स्यमन्तक मणि छीनि लेलनि।

ई मिथ्या कलंक कृष्ण पर लागि गेल। एकर परिमार्जनक लेल कृष्ण अपन सेनाक संग वन गेलाह तँ ओतए स्पष्ट भए गेलनि जे प्रसेनजित् कें सिंह मारलक आ ओहि सिंहकें जाम्बवान् मारल। कृष्ण जाम्बवानक गुफा धरि पहुँचलाह तँ ओतए जाम्बवती कें ओहि मणि सँ खेलाइत देखलनि। एकर बाद जाम्बवानक संग कृष्णक युद्ध आरम्भ भएल। कतोक दिन बीति गेल तखनि केओ कमजोर नहिं पडलाह, तखनि जाम्बवान् कें स्मरण भेलनि जे त्रेतामे रामचन्द्र जे अपन अवतारक प्रसंग कहने रहथि से यैह कृष्ण थिकाह। तखनि जाम्बवान् युद्ध करब छोडि अपन पुत्री जाम्बवतीक संग कृष्णक विवाह कराओल आ स्यमन्तक मणि कृष्ण के देल।

ई प्रसंग बूझि सत्राजित् सेहो लज्जित भेलाह आ अपन पुत्रीक संग श्रीकृष्णक विवाह कराए देल आ श्रीकृष्ण मिथ्या कलंक मेटाएल।

हरितालिका व्रत कहिया होएत? पूजाक विधानक संग…

भाद्रशुक्लतृतीया कें प्रदोष कालमे सदा सुहागिन रहबाक कामना सँ नारी हरिताली व्रत करथि। भिनसरमे थोडबो काल जँ तृतीया अछि आ तकर बाद चतुर्थी भए जाइत छैक तैयो ओही दिन व्रत होएत।

Tagschaurchanachauthi chanchuarachanMithilaMithilak pavaniचौरचन
Previous Article

उद्देश्य

Next Article

मिथिलाक प्रसिद्ध पाबनि चौरचन पूजाक पारम्परिक पद्धति

0
Shares
  • 0
  • +
  • 0
  • 0
  • 0
  • 0

Bhavanath Jha

मिथिला आ मैथिलीक लेल सतत प्रयासरत

Related articles More from author

  • Jitiya Parva in Mithila
    पाबनि-तिहारलोक-वेद

    Jitiya, Jiutiya Vrat: “गौरीप्रस्तार” नामक ग्रन्थ सँ उद्धृत, मिथिलाक पारम्परिक जितिया व्रतकथा

    September 8, 2019
    By Bhavanath Jha
  • तिलक आ फलदान
    लोक-वेद

    मिथिलाक सोतिपूरामे वैदिक विवाहक विशिष्ट रीति-रेवाज, भाग 2

    April 17, 2020
    By Bhavanath Jha
  • jiutiya vrat 2022
    पाबनि-तिहारपूजा-पाठ

    इस बार 2022ई. में जिउतिया कब है?

    September 7, 2022
    By Bhavanath Jha
  • Asiatic Researches; Or, Transactions Of The Society, Instituted In Bengal, For Inquiring Into The History And Antiquities, The Arts, Sciences, And Literature, Of Asia
    इतिहास

    Maithili in European records in 1802

    September 14, 2019
    By Bhavanath Jha
  • मगध में कब से होती है सूर्य पूजा
    पाबनि-तिहारपूजा-पाठ

    भगवान् आदित्य की एक प्राचीन स्तुति

    October 28, 2022
    By Bhavanath Jha
  • टुकड़े-टुकडे गैंग
    कंटक-शोधन

    ‘अंतिका’क नव अंकक संपादकीय- मिथिलामक टिटिम्हा- अगिलेसुआक लुत्ती

    August 27, 2021
    By Bhavanath Jha

Leave a reply Cancel reply

अहाँकें इहो नीक लागत

  • इतिहासकंटक-शोधनपर्यटन

    जानकी का जन्म कहाँ हुआ था? प्राचीन नगरी मिथिला कहाँ थी?

  • Maharaja Rameshwar Singh
    इतिहास

    दरभंगा महाराज रमेश्वर सिंह कें “काइजर-ए-हिन्द” (“कैसर-ए-हिन्द”क उपाधि

  • Summary Remarks on The Resources Of The East Indies
    इतिहास

    एकटा दस्तावेज- नेपालक मकबानपुरक राजा सभ राज दरभंगाकें मालगुजारी दैत छलाह

  • राजनगर अभिलेख 02
    इतिहास

    महाराज रमेश्वर सिंह का राजनगर कालीमन्दिर शिलालेख-

  • Mithila manuscript
    इतिहास

    A Text From Rudrayamala as the Source of the History of Mithila

कॉपीराइट की स्थिति

इस साइट का सर्वाधिकार पं. भवनाथ झा के पास सुरक्षित है। नियम एवं शर्तें लागू

सम्पर्क-

भवनाथ झा, Email: bhavanathjha@gmail.com whatsApp: 9430676240

शैक्षणिक उद्देश्य से कापीराइट की स्थिति

एहि वेबसाइटक सामग्रीक सर्वाधिकार पं. भवनाथ झा लग सुरक्षित अछि। शैक्षिक उद्देश्य सँ सन्दर्भ सहित उद्धरणक अतिरिक्त एकर कोनो सामग्रीक पुनरुत्पादन नहिं करी। जँ कतहु शैक्षिक उद्देश्यसँ सामग्री लेल जाइत अछि तँ ओहि वेबपृष्ठक URL सहित देल जा सकैत अछि।

  • उद्देश्य
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
  • इतिहास
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
  • वैधानिक
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति
Copyright: Bhavanath Jha- All rights Reserved, 2021