Brahmi Publication

Top Menu

  • उद्देश्य
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति

Main Menu

  • उद्देश्य
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति
  • उद्देश्य
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति

logo

Brahmi Publication

  • उद्देश्य
    • जानकीपूजाविधि, (जानकीसहस्रनाम सहित), लेखक- पण्डित श्री शशिनाथ झा

      May 3, 2022
      0
    • article by Radha kishore Jha

      वेद या वेदान्त प्रतिपाद्य धर्म क्या है?

      October 28, 2021
      0
    • धर्मायण के आश्विन अंक के डिजिटल संस्करण का हुआ लोकार्पण

      September 21, 2021
      1
    • Kadamon ke Nishan

      मानवीय संवेदनाओं को समेटती डा. धीरेन्द्र सिंह की मैथिली कविताएँ- "कदमों के ...

      September 6, 2021
      0
    • Krishna-janma cover

      मनबोधकवि कृत कृष्णजन्म (प्रबन्धकाव्य), डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      May 2, 2021
      0
    • Kirtilata cover

      विद्यापति कृत कीर्त्तिलता, डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      May 2, 2021
      1
    • विद्यापति कृत कीर्तिगाथा एवं कीर्तिपताका, डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      विद्यापति कृत कीर्तिगाथा एवं कीर्तिपताका, डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      May 2, 2021
      1
    • अपभ्रंश काव्य में सौन्दर्य वर्णन

      अपभ्रंशकाव्य में सौन्दर्य वर्णन -डॉ. शशिनाथ झा

      April 30, 2021
      1
    • डाकवचन-संहिता

      डाकवचन संहिता (टिप्पणी-व्याख्या सहित विशुद्ध पाठ, सम्पूर्ण)- डॉ. शशिनाथ झा

      April 30, 2021
      1
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • Dayananda's merits

      ‘पितर’ के अर्थ में ‘अग्निष्वात्ताः’ शब्द का वास्तविक अर्थ क्या है?

      September 25, 2022
      0
    • Sanatana religion

      Hinduism versus Sanatana Dharma : Which of the two words is correct?

      May 10, 2022
      0
    • Krishnasthami

      ताही बीचै जनमल छोरा यानी उसी बीच छोरे श्रीकृष्ण का जन्म

      August 30, 2021
      0
    • सिरहर, सिरहड़

      मिथिलाक लोक-परम्परामे सिरहड़-सलामी

      August 7, 2021
      0
    • श्राद्ध-कर्म

      विपरीत परिस्थिति में श्राद्ध की शास्त्र-सम्मत विधि

      May 12, 2021
      0
    • डाकवचन-संहिता

      डाकवचन संहिता (टिप्पणी-व्याख्या सहित विशुद्ध पाठ, सम्पूर्ण)- डॉ. शशिनाथ झा

      April 30, 2021
      1
    • मिथिलाक प्राचीन सदाचार 01

      March 17, 2021
      0
    • Responsibilities of a Brahmana

      छठ का अर्घ्य- पण्डितजी की जरूरत क्यों नहीं?

      November 18, 2020
      1
    • Responsibilities of a Brahmana

      मैथिली लोकगीतों में नारी

      August 15, 2020
      0
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • manuscript from Mithila

      गोनू झा व्यक्तित्व आ इतिहासक स्रोतक रूपमे पंजी-विमर्श

      August 7, 2023
      0
    • धूर्तराज गोनू कर्णाट शासनक कालक ऐतिहासिक पुरुष छलाह

      August 4, 2023
      0
    • सतीप्रथा

      भारत में सती प्रथा पर हंगामे के इतिहास की सच्चाई

      June 3, 2023
      1
    • Arya Samaj

      जॉन मुइर की ‘मतपरीक्षा’ तथा दयानन्द के ‘सत्यार्थप्रकाश’ का ‘साइड इफैक्ट’

      May 21, 2023
      0
    • bipra-dhenu--

      भारतीयों का वेद 'रामचरितमानस'

      March 15, 2023
      0
    • Vritta Muktavali of Maithil Durgadatta

      मैथिल दुर्गादत्त ओ हुनक छन्दःशास्त्रीय ग्रन्थ 'वृत्तरत्नावली'

      September 23, 2022
      1
    • Lalkrishna Advani on Maithili language

      मैथिली आ अंगिका पर लालकृष्ण आडवानी की बाजल रहथि

      September 22, 2022
      0
    • mithila map

      मिथिला आ ओकर अस्मिताक निर्धारक तत्त्व

      August 31, 2022
      0
    • the terrible mistake of the renaissance

      19वीं शती के रिनेशाँ की वह भयंकर भूल...

      June 26, 2022
      0
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति
  • सनातन धर्म में बहुदेववाद बनाम धार्मिक स्वतंत्रता

  • क्या सनातन धर्म में बदलाव सम्भव नहीं है?

  • जॉन मुइर की ‘मतपरीक्षा’ तथा दयानन्द के ‘सत्यार्थप्रकाश’ का ‘साइड इफैक्ट’

  • छठ का अर्घ्य- पण्डितजी की जरूरत क्यों नहीं?

  • छठि परमेसरीक स्वरूप आ कथा

इतिहासकंटक-शोधन
Home›इतिहास›मिथिलामे 1934 ई.क भूकम्पक विपत्तियो मे चंदाक वसूली आ ओकर बिलहा-बाँट

मिथिलामे 1934 ई.क भूकम्पक विपत्तियो मे चंदाक वसूली आ ओकर बिलहा-बाँट

By Bhavanath Jha
March 2, 2022
0
0
Share:
Gandhi in Mithila

बिहारमे 1934ई.क भूकम्प आइयो अपन नामहिसँ भय उत्पन्न कए दैत अछि। सम्पूर्ण उत्तर बिहार एहि भूकम्पक चपेटमे पड़ि गेल छल आ व्यापक रूपसँ धन-जनक क्षति भेल रहैक। गाँधीजी एहेन परिस्थितिमे उत्तर बिहारक यात्रा कएलनि। अपेक्षा छल जे एहि ठामक जनताक सहायताक लेल ओ किछु ठोस काज करितथि मुदा स्थिति एकर विपरीत रहल।

सन्दर्भ : Reports Regarding Mr. Gandhi's Tour through Certain Provincials in Connection With the Herijan Movement, and Collection of Funds by Him., HOME_POLITICAL_NA_1934_NA_F_50-1, National Archives of India

ओ बिहारक अनेक स्थान पर घुमलाह, भाषण देलनि, चंदा एकत्र कएलनि। आरम्भमे घोषणा कएलनि जे जे किछु जमा होएत तकर आधा भूकम्प राहत कार्यक लेल लगाओल जाएत आ आधा हरिजन मदमे देल जाएत। मुदा अपन घोषणाक विपरीत जखनि 6,833 रुपया जमा भेल तँ 4,000 रुपया हरिजन फंडमे देलनि।

राहत कार्यक बात तँ छोड़ू, नीक बोल धरि नै कहल भेलनि। कमसँ कम 5 सभामे ओ बजलाह जे भूकम्प अस्पृश्यताक लेल देल गेल भगवानक दण्ड थीक।

मिथिलाक संग गाँधीक ई सम्पर्क सुखद नै रहल छल।

15 जनवरीकें ई भूकम्प आएल छल आ गाँधीजी एहि स्थितिमे संवेदना प्रकट करबाक लेल बिहारक यात्रा कएलनि।

ओहि समयक केन्द्र सरकारक गृह विभागक सचिव एम.जी. हॉलेटकेँ पटनासँ दिनांक  27 मार्च 1934ई. कें लिखल गेल पत्र संख्या डी.ओ. न. 128/-c के अनुसार गाँधीजी 15 मार्च केँ मोतिहारी मे रहथि। ओतए सदर आ ढाका पुलिस स्टेशनक अधिकार क्षेत्रमे मोटरसँ घुमि दोपहरिया धरि मोतिहारी घुरि अएलाह। ओतए जमा भेल लोकसँ भूकम्पक सम्बन्धमे एतबे कहलनि जे

‘ई तँ भगवानक देल अछि, एकर स्वागत करी। ओ कहलनि जे अहाँलोकनि एकरा एना मानू जे ई अस्पृश्यता केँ बढ़ाबा देबाक लेल देल गेल दण्ड थीक। संगहि ओ ओतए उपदेश देलनि जे शारीरिक रूपसँ जे सक्षम व्यक्ति छी हुनका भीख नै मँगबाक चाही।’

भूकम्प सनक विनाशकारी विपत्तिमे फँसल लोकक लेल महात्मा गाँधीक यैह उद्गार छल, बोल-भरोस छल। (पैरा 4.)

एतबे नै, 16 मार्च केँ ओ मुजप्फरपुर अएलाह आ ओतहु ओएह सभ बात दोहरौलनि जे मोतिहारी मे कहने रहथि आ तकर बाद ओही दिन पटना घुरि गेलाह। (अनुच्छेद 5)

एतबे नहिं, 20 मार्चकेँ पटना सिटीमे मंगल तालाबक कातमे 25,000 लोकक बीच एक सभाकें संबोधित कएलनि आ ओतहु भूकम्प पर अपन ओएह गाओल गीत दोहरौलनि। ओतहु ओ सभकेँ अपन सहायता अपनहिं करबाक शिक्षा देलनि। (पैरा 8)

ओतए ओ भूकम्प पीडितक सहायताक लेल केन्द्रीय राहत समिति आ हरिजन समितिक लेल ठीक ढंगसँ चंदा जमा नै होएबाक प्रसंग चर्चा कएलनि। रिपोर्ट कहैत अछि जे भूकम्प पीडितक सहायताक मान पर हुनका ओतए 1,600 रुपया चंदा भेलनि।

एकर बाद गाँधीजी दिनांक 26 मार्चकेँ दानापुरमे सभाकें संबोधत कए 26 कें मौन व्रत राखि 27 मार्चसँ उत्तर बिहारक फेर यात्रा कएलनि।

एहि बेर सोनपुर, मसरक, छपरा, मुजप्फरपुर, बेलसंड, सीतामढ़ी, दरभंगा,. मधुबनी, सुपौलक रास्तासँ मधेपुरा,  भागलपुर, मुंगेर, होइत 4 अप्रैलकें पटना पहुँचलाह। एकर बाद मोकामा आ बाढ़ घुमि पुनः 8 अप्रैलकें पूर्णिया होइत आसाम गेलाह।

 दिनांक 31 मार्चकेँ पुनः केन्द्र सरकारक गृह विभागक सचिव एम.जी. हॉलेटकेँ पटनासँ लिखल गेल पत्र संख्या डी.ओ. न. 128/-c मे लिखल गेल अछि जे एहि यात्राक क्रममे 26 मार्चकेँ दानापुरमे सेहो लगभग 15,000 लोकक भीड़कें संबोधित करैत ओ अपन पहिलुके तकिया-कलाम दोहरौलनि।

सभाकेँ संबोधित करबासँ पहिने हुनक शर्त छल जे जा धरि एक सभामे बजबाक लेल हुनका 1000 रुपया नै भेटतनि ता धरि ओ भाषण नै देताह। ओतय हुनका 500 रुपयाक थैली भेटल आ आश्वासन देल गेल जे सभा अंत भेला धरि शेष रुपया जुटि जाएत। तखनि ओ अपन वक्तव्य आरम्भ कएलनि।

26 मार्चकें दानापुरमे आयोजित एही सभामे ओ घोषणा कएलनि जे एहि क्रम मे जे धन-संग्रह होएत तकर आधा भाग भूकम्प पीडितक सहायताक लेल लगाओल जाएत आ आधा भाग हरिजनक लेल लगाओल जाएत। दानापुरक एहि सभामे 100 रुपया संग्रह भेलनि।

दिनांक 27 मार्च केँ सोनपुरमे लोकक आग्रह पर हुनका बाजए पड़ल तँ ओतहु ओ आत्मसम्मानक रक्षाक बात कहि भीख नै मङबाक उपदेश कएलनि। एहू सभामे 15 रुपया चंदा भेटलनि।

एही तिथिकेँ छपरामे जे सभा कएलनि ताहिमे 1 रुपया, 5 रुपया आ 10 रुपयाक टिकट लगा देल गेल। एहि सभामे 500 रुपयाक टिकट बिकाएल। ओ भूकम्पक विषयमे गओले गीत कहलनि आ भीड़सँ अपन योगदान देबाक अपील कएलनि। लगभग 15,000 लोकक भीड़ बेसम्हार भए गेल आ चंदा-संग्रहक काज असम्भव भए गेल। भीड़कें करीब एक घंटामे हँटाओल जा सकल।

दिनांक 30 मार्च केँ ओ सीतामढ़ीसँ मोटरसँ दरभंगाक लेल प्रस्थान कएलनि। दरभंगाक फूटबॉल मैदानमे सन्ध्यामे ओ पहुँचलाह। हुनक स्वागतक लेल महाराजाधिराज कामेश्वर सिंहक भाइ महाराज कुमार विश्वेश्वर सिंह आ यूरोपीयन मैनेजर मि. डेनबी रहथि। एतए यद्यपि लाउडस्पीकर लागल छल, मुदा ततेक हल्ला भए रहल छल जे गाँधीक आबाज केओ नै सुनि सकल।

 31 मार्चकेँ ओ राजनगर पहुँचलाह आ तकर बाद साँझमे मधुबनी अएलाह। एतए सब-डिविजनक अधिकारी आ ए.एस.पी.सँ वार्ता कएलनि।

एतए किछु सनातनी लोकनि कारी झंडा देखा कए हुनक विरोध कएलनि।

अगिला दिन ओ मधुबनी सँ निर्मल्ली, भपटियाही, सुपौल होइत सहरसा गेलाह।

मुँगेरमे आयोजित सभामे श्रोताक सामान्य धारणा बनल जे ई भूकम्प-पीड़ितक सहायताक लेल नै, अपितु हरिजन-उत्थानक अपन एजेंडा लए घुमि रहल छथि।

उपर्युक्त अधिकारीक द्वारा दिनांक 6 अप्रैल कें लिखल पत्रक अनुसार एहि सभ सभामे किछु सए रुपया चंदा सेहो जमा कएलनि।

गाँधीजी बिहारक एहि यात्रामे कुल 6,833 रुपया 9 आना 1 पैसा जमा कएलनि। प्रारम्भमे ओ घोषणा कएने रहथि  जे जमा रासिमेसँ ओ आधा भूकम्प राहत कार्यमे लगौताह। मुदा दिनांक 11 अप्रैल कें राँचीसँ लिखल गेल पत्र संख्या डी.ओ. नं. 138-सी.सी.क अनुसार ओ अंतमे मात्र 2, 833 रुपया 9 आना 1 पैसा भूकम्प राहत कार्यमे लगाए शेष 4 हजार रुपया हरिजन फंडमे राखि लेलनि। (पैरा 8)

एही यात्राक क्रममे 14 मईकें राँचीसँ पत्रांक डी.ओ. नं. 152-सी.सी. मे कहल गेल अछि जे प्रदेशक हरिजन कार्यालय द्वारा एकटा रिपोर्ट जारी कएल गेल जाहिमे कहल गेल जे गाँधीजीक द्वारा दरभंगा जिलासँ 729 रुपया 13 आना आ 1.5 पैसा चंदा जमा भेल जे हरिजनक विकासक लेल छल।

एहि प्रकारें हमरालोकनि देखैत छी जे 1934 ई.क विनाशकारी भूकम्पक स्थितिमे गाँधीजी बिहार आबि भूकम्प राहत कोषक नाम पर चंदा असूलि ओकर बंदरबाँट कएलनि।

TagsGandhiMahatma GandhimaithiliMithilaमिथिलाराज दरभंगा
Previous Article

प्रेरक व्यक्तित्वक स्वामी- डा. बिनोदानन्द झा ‘विश्वबन्धु’

Next Article

दरभंगा के महाराज रमेश्वर सिंह के धार्मिक ...

0
Shares
  • 0
  • +
  • 0
  • 0
  • 0
  • 0

Bhavanath Jha

मिथिला आ मैथिलीक लेल सतत प्रयासरत

Related articles More from author

  • Mithila manuscript
    इतिहास

    A Text From Rudrayamala as the Source of the History of Mithila

    September 14, 2019
    By Bhavanath Jha
  • तिलक आ फलदान
    लोक-वेद

    मिथिलाक सोतिपूरामे वैदिक विवाहक विशिष्ट रीति-रेवाज, भाग 2

    April 17, 2020
    By Bhavanath Jha
  • Mithilakshar
    मिथिलाक्षर

    मिथिलाक्षर के विकास के लिए सरकारी स्तर पर कार्य करने की आवश्यकता

    May 15, 2020
    By Bhavanath Jha
  • भरत-विलाप मैथिली
    मैथिली साहित्य

    ‘भरत-विलाप’ रचनाक भाषा अवधी अथवा मैथिली थिक?

    March 18, 2022
    By Bhavanath Jha
  • Dagdha Tithi
    ज्योतिष-विचार

    शादी का मुहूर्त- दग्धतिथि में न करें शादी, बड़ा दोष होता है।

    September 25, 2022
    By Bhavanath Jha
  • Boundary of Mithila
    इतिहास

    महामहोपाध्याय शंकर (झा)क स्मृतिसुधाकर ग्रन्थमे मिथिलाक चौहद्दी

    September 14, 2019
    By Bhavanath Jha

Leave a reply Cancel reply

अहाँकें इहो नीक लागत

  • बी.एच.यू की स्थापना
    इतिहासकंटक-शोधन

    क्या सच में बी.एच.यू. की योजना मालवीयजी की थी?- एक रहस्य का उद्घाटन।

  • mithila map
    इतिहासधरोहर

    मिथिला आ ओकर अस्मिताक निर्धारक तत्त्व

  • simraungadh
    इतिहासधरोहरपर्यटनमिथिलाक्षर

    A newly found fragment of an Inscription

  • Madhusudan Ojha from Mithila
    इतिहासकंटक-शोधनपोथी, जे पढल

    म.म. मधुसूदन ओझा तथा उनकी कृति “पुराणपुराणनिर्माणाधिकरणम्”

  • manuscript price
    इतिहासधरोहर

    1800ई. के आसपास पुस्तकें कैसे लिखी जाती थी? पाण्डुलिपियों की कीमत क्या थीं?

कॉपीराइट की स्थिति

इस साइट का सर्वाधिकार पं. भवनाथ झा के पास सुरक्षित है। नियम एवं शर्तें लागू

सम्पर्क-

भवनाथ झा, Email: bhavanathjha@gmail.com whatsApp: 9430676240

शैक्षणिक उद्देश्य से कापीराइट की स्थिति

एहि वेबसाइटक सामग्रीक सर्वाधिकार पं. भवनाथ झा लग सुरक्षित अछि। शैक्षिक उद्देश्य सँ सन्दर्भ सहित उद्धरणक अतिरिक्त एकर कोनो सामग्रीक पुनरुत्पादन नहिं करी। जँ कतहु शैक्षिक उद्देश्यसँ सामग्री लेल जाइत अछि तँ ओहि वेबपृष्ठक URL सहित देल जा सकैत अछि।

  • उद्देश्य
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
  • इतिहास
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
  • वैधानिक
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति
Copyright: Bhavanath Jha- All rights Reserved, 2021