बेर-बेर सुनए पड़ैत अछि जे राजा माने- शोषक। जमींदार माने- शोषक। ई मानि लेल गेल अछि जे ओ शासन कएलनि तँ शोषक होएबे करताह। ओ अपन जनताक कोनो ध्यान नहिं रखताह आ अपने जनताक खून चूसि आराम करताह। ई वस्तुतः नकारात्मक सोच वला वामपंथी मानसिकता थीक।

जखनि हमारलोकनि इतिहासकें देखैत छी तँ अनेक एहन उदाहरण भेटैत अछि जतए मिथिलाक सामन्तलोकनि सोझे जनताकसँ सरोकार रखैत रहथि। एहने एकटा अवसर आ ओकर वृत्तान्त एतए लिखल गेल अछि।

The Queen Empress’s Jubilee in India, works done in Madhubani by Raj family.

सन् 1887 ई.मे यूरोपक महारानीक जुबली वर्ष मनाओल गेल छल। एहिमे भारतक विभिन्न स्थान पर हर्षोल्लासक संग कार्यक्रम करबाक छलैक। भारतक सभ नगरमे एहन कार्यक्रम आयोजित भेल छल।

एही क्रममे मधुबनीमे कोन-कोन काज कएल गेल तकर विवरण ऐतिहासिक दृष्टिसँ महत्त्वपूर्ण अछि।

1887 ई.क फरवरी मासमे एहि काजक लेल एकटा बैसार भेल छल, जकर रिपोर्ट इंडियन मिरर अखबारमे छपल। आ एही साल पुस्तकाकार मे प्रमुख समाचार भ्वाइस ऑफ इंडियाक 1887 बला अंक (THE VOICE OF INDIA FOR THE YEAR 1887 VOLUME V) मे सेहो छपल।

एकर पृष्ठ संख्या 72 पर मधुबनीक एहि बैसारक विवरण प्रकाशित अछि। एकर अनेक प्रकारें ऐतिहासिक महत्त्व अछि। आयोजनक लेल जे जे सदस्य मनोनीत कएल गेल छथि हुनक नाम, हुनक जाति ओहि इतिहासकारसभक आँखि खोलत जे दरभंगाक महाराज लोकनि पर एकटा समुदायविशेषक प्रति पूर्वाग्रह घोखैत अघाइत नै छथि।

एहिमे राजाक रूपमे रमेश्वर सिंहक नाम आएल अछि। रमेश्वर सिंह यद्यपि 1898 ई.मे औपचारिक रूपसँ गद्दी सम्हारलनि, मुदा एहिसँ 11 वर्ष पहिनहुँ ओ जनहितक कार्यमे बढ़ि-चढ़िकें भाग लैत रहलाह। ओ ओहू दिनमे राजाक रूपमे सेहो ख्यात रहलाह।

एहि जनहितक कार्यमे जे लोकनि चन्दा देने छथि; हुनको लोकनिक नाम इतिहासक दृष्टिसँ महत्त्वपूर्ण अछि।

एतय ओहि बैसारक कार्यवाही मैथिलीमे सेहो देल जा रहल अछि। संगहि एकर मूल अंग्रेजी, ओहि पुस्तकक पन्ना आ ओकर वेबलिंक सेहो देल जा रहल अछि जे अग्रतर शोधक लेल सहायक होएत।

एतए उल्लिखित चन्दा देनिहार व्यक्ति सभक परिचय

  • 1. बाबू हर्षधारी सिंह- महाराज माधवसिंहक पुत्र कीर्तिसिंह, तनिक पुत्र गिरिधारी सिंह आ तनिक पुत्र हर्षधारी सिंह छलाह। एहि प्रकारें ई महाराज माधव सिंहक प्रपौत्र भेलाह। ई भक्तिधारी सिंहक पितामह छलाह। हिनक आवास मधुबनी ड्यौढी रहए।
  • 2. हर्षधारी सिंहक भाय– हिनक नाम एतए नहिं लेल गेल अछि। मुदा एतए कन्हैयाजी प्रसिद्ध तन्त्रधारी सिंहक नाम अभिप्रेत अछि। ई अपन आवास राँटीमे बनौने रहथि।
  • 3. बाबू दुर्गादत्त सिंह- ई कीर्तिसिंहक पुत्र आ महाराज माधव सिंहक पौत्र रहथि। ई मैथिलीक प्रसिद्ध गीत “सिंह पर एक कमल राजित ताहि ऊपर भगवती”क अमर गीतकारक सेहो छथि।

मूल रिपोर्टक मैथिली अनुवाद

“मधुबनी

गरीब सभक बीच कम्बल, खोराकी आ खपड़ा खराँतक रूपमे बाँटल गेल। सामान्य जनताक उपयोगक लेल किछु स्थायी काज कराओल गेल, जेना कमलाक पुरान धारमे पक्का घाटक संग पोखरि खुनाओल गेल। निम्नलिखित सम्भ्रान्त लोक सभक एकटा समिति गठित कएल गेल जे एहि बैठकक कार्यवाही कें कार्यान्वित करथि।

  1. अनुमण्डलाधिकारी
  2. अपन प्रबन्धक बाबू गौरीशंकरक माध्यमें राजा रमेश्वर सिंह
  3. बाबू हर्षधारी सिंह
  4. बाबू आमेन्द्र सिंह
  5. बाबू अनन्तलाल चटर्जी, सब डिप्टी मजिस्ट्रेट
  6. बाबू राजकुमार कुन्दु, सहायक शल्य चिकित्सक
  7. मौलवी सैय्यद मोगनी, सहायक निबन्धन पदाधिकारी
  8. बाबू आशुतोष मुखर्जी, नगरपालिकाक उप निदेशक सदस्य एवं सचिव

एक एतिरिक्त निम्नलिखित सम्भ्रान्त नागरिकक एकटा उप समिति धर्मार्थ कार्य आ प्रकाश आदिक व्यवस्थाक लेल सेहो बनाओल गेल-

  1. बाबू अनन्तलाल चटर्जी
  2. मुंशी लतीफ हुसैन
  3. मुंशी गणेश दास दास
  4. मौलवी सैय्यद मोहम्मद मोगनी
  5. बाबू राजकुमार कुन्दु
  6. बाबू मतिराम
  7. बाबू आशुतोष मुखर्जी

बाबू आशुतोष मुखर्जी एवं तकर बाद  राजा रमेश्वर सिंहक द्वारा अध्यक्ष महोदयक प्रति आभार ज्ञापनक संग बैठक सम्पन्न भेल। एही बैठकमे ठामहिं राजा रमेश्वर सिंह 7,000 रुपया, बाबू हर्षधारी सिंह 1,000 रुपया, हुनक भाय 3,000 रुपया आ बाबू दुर्गादत्त सिंह 3,000 चन्दा देलनि। एहि चन्दाक अतिरिक्त अनुमण्डलक यूरोपियन रेजिडेंट सभकें रात्रिभोज, नाच-गान आ फटाकाक लेल सभटा व्यय करबाक भार गछलनि।

मूल अंग्रेजी

MADHUBANI

That alms be given to the poor by way of distribution of blankets and articles of food and also that tiles to roof their houses be supplied to them. That some permanent work of public utility such as digging a tank on the old bed of the Kamla river with a pacca ghat be undertaken. A Committee consisting of the following gentlemen was appointed to give effect to the resolutions of the meeting

  • 1 The Sub Divisional Officer.
  • 2 Rajah Rameshwar Singh through his Manager Babu Gouri Shanker
  • 3 Babu Harakh Dhari Singh
  • 4 Babu Amendra Singh
  • 5 Babu Anant Lall Chatterji, Sub Deputy Magistrate
  • 6 Babu Raj Kumar Kundu, Assistant Surgeon
  • 7. Moulvi Syad Mahomed Moghni, Sub Registrar
  • 8 Babu Ashutosh Mukerji, Vice Chairman of the Municipality Member and Secretary.

A Sub Committee consisting of the following gentlemen was appointed for carrying out the arrangements with regard to the illumination &c. and charity

  • 1 Babu Anant Lai Chatterji
  • 2 Munshi Lutaif Hossein
  • 3 Munshi Gonesh Dass Dass
  • 4 Moulvi Syad Mahomed Mohgni
  • 5 Babu Raj Kumar Kundu
  • 6 Babu Mutty Ram
  • 7 Babu Ashutosh Mukerji Member and Secretary

The meeting then dissolved with a vote of thanks to the chair proposed by Babu Ashutosh Mukerji and seconded by Rajah Rameshwar Sing. Rs 7,000 were subscribed on the spot Rajah Rameshwar Singh subscribed Rs 1,000 Babu Harakh Dhari Singh and brother Rs 3,000 and Babu Durgadut Singh Rs 3.000.

The latter besides his subscription has undertaken to give a dinner to the European residents of the Sub Division and to bear the whole cost of bringing up a Theatrical party and the display of fireworks.

(THE VOICE OF INDIA FOR THE YEAR 1887 VOLUME V, February 1887, The Queen Empress’s Jubilee in India, p. 76)

The Voice of India, 1887

Comments are closed, but trackbacks and pingbacks are open.