Brahmi Publication

Top Menu

  • उद्देश्य
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति

Main Menu

  • उद्देश्य
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति
  • उद्देश्य
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति

logo

Brahmi Publication

  • उद्देश्य
    • जानकीपूजाविधि, (जानकीसहस्रनाम सहित), लेखक- पण्डित श्री शशिनाथ झा

      May 3, 2022
      0
    • article by Radha kishore Jha

      वेद या वेदान्त प्रतिपाद्य धर्म क्या है?

      October 28, 2021
      0
    • धर्मायण के आश्विन अंक के डिजिटल संस्करण का हुआ लोकार्पण

      September 21, 2021
      1
    • Kadamon ke Nishan

      मानवीय संवेदनाओं को समेटती डा. धीरेन्द्र सिंह की मैथिली कविताएँ- "कदमों के ...

      September 6, 2021
      0
    • Krishna-janma cover

      मनबोधकवि कृत कृष्णजन्म (प्रबन्धकाव्य), डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      May 2, 2021
      0
    • Kirtilata cover

      विद्यापति कृत कीर्त्तिलता, डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      May 2, 2021
      1
    • विद्यापति कृत कीर्तिगाथा एवं कीर्तिपताका, डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      विद्यापति कृत कीर्तिगाथा एवं कीर्तिपताका, डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      May 2, 2021
      1
    • अपभ्रंश काव्य में सौन्दर्य वर्णन

      अपभ्रंशकाव्य में सौन्दर्य वर्णन -डॉ. शशिनाथ झा

      April 30, 2021
      1
    • डाकवचन-संहिता

      डाकवचन संहिता (टिप्पणी-व्याख्या सहित विशुद्ध पाठ, सम्पूर्ण)- डॉ. शशिनाथ झा

      April 30, 2021
      1
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • Dayananda's merits

      ‘पितर’ के अर्थ में ‘अग्निष्वात्ताः’ शब्द का वास्तविक अर्थ क्या है?

      September 25, 2022
      0
    • Sanatana religion

      Hinduism versus Sanatana Dharma : Which of the two words is correct?

      May 10, 2022
      0
    • Krishnasthami

      ताही बीचै जनमल छोरा यानी उसी बीच छोरे श्रीकृष्ण का जन्म

      August 30, 2021
      0
    • सिरहर, सिरहड़

      मिथिलाक लोक-परम्परामे सिरहड़-सलामी

      August 7, 2021
      0
    • श्राद्ध-कर्म

      विपरीत परिस्थिति में श्राद्ध की शास्त्र-सम्मत विधि

      May 12, 2021
      0
    • डाकवचन-संहिता

      डाकवचन संहिता (टिप्पणी-व्याख्या सहित विशुद्ध पाठ, सम्पूर्ण)- डॉ. शशिनाथ झा

      April 30, 2021
      1
    • मिथिलाक प्राचीन सदाचार 01

      March 17, 2021
      0
    • Responsibilities of a Brahmana

      छठ का अर्घ्य- पण्डितजी की जरूरत क्यों नहीं?

      November 18, 2020
      1
    • Responsibilities of a Brahmana

      मैथिली लोकगीतों में नारी

      August 15, 2020
      0
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • manuscript from Mithila

      गोनू झा व्यक्तित्व आ इतिहासक स्रोतक रूपमे पंजी-विमर्श

      August 7, 2023
      0
    • धूर्तराज गोनू कर्णाट शासनक कालक ऐतिहासिक पुरुष छलाह

      August 4, 2023
      0
    • सतीप्रथा

      भारत में सती प्रथा पर हंगामे के इतिहास की सच्चाई

      June 3, 2023
      1
    • Arya Samaj

      जॉन मुइर की ‘मतपरीक्षा’ तथा दयानन्द के ‘सत्यार्थप्रकाश’ का ‘साइड इफैक्ट’

      May 21, 2023
      0
    • bipra-dhenu--

      भारतीयों का वेद 'रामचरितमानस'

      March 15, 2023
      0
    • Vritta Muktavali of Maithil Durgadatta

      मैथिल दुर्गादत्त ओ हुनक छन्दःशास्त्रीय ग्रन्थ 'वृत्तरत्नावली'

      September 23, 2022
      1
    • Lalkrishna Advani on Maithili language

      मैथिली आ अंगिका पर लालकृष्ण आडवानी की बाजल रहथि

      September 22, 2022
      0
    • mithila map

      मिथिला आ ओकर अस्मिताक निर्धारक तत्त्व

      August 31, 2022
      0
    • the terrible mistake of the renaissance

      19वीं शती के रिनेशाँ की वह भयंकर भूल...

      June 26, 2022
      0
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति
  • सनातन धर्म में बहुदेववाद बनाम धार्मिक स्वतंत्रता

  • क्या सनातन धर्म में बदलाव सम्भव नहीं है?

  • जॉन मुइर की ‘मतपरीक्षा’ तथा दयानन्द के ‘सत्यार्थप्रकाश’ का ‘साइड इफैक्ट’

  • छठ का अर्घ्य- पण्डितजी की जरूरत क्यों नहीं?

  • छठि परमेसरीक स्वरूप आ कथा

इतिहासकंटक-शोधनवाल्मीकि रामायण
Home›इतिहास›शंका- समाधान : की सीता मेनकासँ उत्पन्न छलीह अथवा मेनका सन दिव्य कन्या छलीह?

शंका- समाधान : की सीता मेनकासँ उत्पन्न छलीह अथवा मेनका सन दिव्य कन्या छलीह?

By Bhavanath Jha
May 5, 2022
0
0
Share:

सीताक अपनहिँ मुँहसँ सीताक जन्मक कथा

सीताक आत्मकथाक प्रसंग वाल्मीकि रामायणक अयोध्याकाण्डमे प्रामाणिक रूपसँ अबैत अछि। एतए सीता स्वयं अपन जन्म आ विवाहक प्रसंग इतिहास सुनबैत छथि। ई महामुनि अत्रिक आश्रमक कथा थीक, जतय हुनक पत्नी अनसूया सीतासँ पुछैत छथिन्ह जे अहाँ के थिकहुँ आ रामक संग अहाँक विवाह केना भेल?

इस प्रसंग गीता प्रेस, मुंबई संस्करण अर्थात् दक्षिणी-पश्चिमी पाठक वाल्मीकि रामायणमे अयोध्याकाण्डक 118म सर्गमे अछि। कुम्भकोणम संस्करण मे सेहो 118मे सर्गमे अछि। मिथिला, नेपाल, आसाम, बंगाल आ उड़ीसा क्षेत्रक पूर्वोत्तर भारतीय संस्करण जकर सम्पादन गोरैशियो कएने छथि, ओहिमे ई अरण्यकाण्डक सर्ग संख्या 3-4मे अछि। जखनि कि पश्चिमोत्तर पाठ अर्थात् लाहौर संस्करण में अरण्यकाण्डक तेसर सर्गक श्लोक संख्या 61सँ आरम्भ होइत सम्पूर्ण चारिम सर्ग धरि कहल गेल अछि। बड़ौदा ओरियंटल रिसर्च इंस्टीच्यूटसँ प्रकाशित वाल्मीकि-रामायणक आलोचनात्मक संस्करणमे ई सीता-अनसूया संवाद अयोध्याकाण्डक सर्ग संख्या 110मे अछि।

सीताक उत्पत्तिक अनेक कथा परवर्ती रामकथाक संग जुडल, जाहिमे रावण आ मन्दोदरीक सहयोगक कथा पर्याप्त प्रचलित रहल। आनन्द रामायणमे ई परवर्ती कथा आएल अछि।

जनक हर चलौलनि आ एकटा कन्या भूमिसँ उत्पन्न भेलीह आ थिकीह अयोनिजा सीता- ई कथासँ सभसँ बेशी विख्यात भेल आ प्रतिष्ठा पओलक। मुदा जनक हर किएक चलौलनि? एकर कथा कहल गेल जे राज्यमे अकाल पड़ल तँ जनकजी हर चलौलनि। की अकाल भेला पर राजाक द्वारा हर चलएबाक कोनो विधान अछि? अकाल पड़बाक कथा कतए सँ आएल?

की सीता माँटिक घैलमे छलीह? चित्रकार आ मूर्तिकारलोकनि अपन मनसँ सीताक उद्भव चित्र आ मूर्ति बनएबाक काल हरक फारक नीचाँ फूटल घैल देखबैत छथि, जाहिमे एकटा कन्याक अंकन करैत छथि। एहि अंकनक की स्रोत? की ई ओही आनन्द रामायणक कथाक पुनरावृत्ति तँ ने थीक जे मिथिलाक अपन कथा पर थोपल जा रहल अछि!

राजा जनक हर किएक चलौलनि?

वाल्मीकि-रामायण मे स्पष्ट उल्लेख अछि जे यज्ञ करबाक लेल वेदी शोधनक कार्य भए रहल छल। ओहिमे यजमानक द्वारा हर चलएबाक विधान आएल अछि। तें राजा जनक हर चला रहल छलाह। वाल्मीकि-रामायणमे केवल वेदीशोधनक लेल हर चलएबाक प्रसंग आएल अछि। किएक चला रहल छलाह से परवर्ती कालक जोड़ल खिस्सा थीक।

मिथिला क्षेत्रसँ उपलब्ध वाल्मीकि-रामायण मे एकटा कथा अछि जे सीता दिव्यकन्या छलीह। हुनक उत्पत्तिमे रावणक कोनो भूमिका नहि छल। वेदवतीक पुनर्जन्मक कथा सेहो मिथिलाक कथा नहिं थीक। मिथिलासँ उपलब्ध वाल्मीकि-रामायण मे ई श्लोक भेटैत अछि। स्वयं सीता अनसूयासँ कहैत छथिन्ह-

स सीराकर्षणं कर्तुं गतः काले पिता मम।

पत्नीभिः सह धर्म्याभिः स ददर्शाद्भुतं महत्।।7।।

अन्तरीक्षे च गच्छन्तीं दिव्यरूपां मनोरमाम्।

मेनकां वै ह्यप्सरसं द्योतयन्तीं दिशस्त्विषा।। 8।।

तां दृष्ट्वा रूपसम्पन्नां मन्मथस्य रतीमिव।

तस्यासीन्मानसीबुद्धिस्तदा धैर्य्यविचालिनी।।9।।

अस्यां नाम ममोत्पद्येदपत्यं कीर्तिवर्धनम्।

ममापत्यविहीनस्य महान् स स्यादनुग्रहः।10।।

अन्तरीक्षे च वागुच्चैरुवाचामानुषी किल।

प्राप्स्यस्यपत्यमस्यास्त्वं सदृशं रूपवर्चसा।।

(वाल्मीकि रामायण गौरैशियो संस्करण, पेरिस, 1845ई. पृ. 13-14. अरण्यकाण्ड, सर्ग-4, श्लोक- 7-11)

जखनि धर्मात्मा राजा जनक पत्नीसभक संग धर्मकार्य करबाक लेल गेल छलाह तँ ओ अद्भुत दृश्य देखलनि। ओ अद्भुत रूपसँ सम्पन्न मेनकाकेँ आकाशमार्गसँ जाइत देखलनि। ओहि मेनकाक रूप आ सौन्दर्यसँ दशो दिशा चमकि रहल छल। एहन मेनकाकेँ देखि राजा जनककेँ प्रसन्नता भेलनि आ ओ कामदेवक बाणसँ आहत भए गेलाह। हुनका मनमे भावना जगलनि जे हम निःसन्तान छी, हमरा एहने सुन्दरी सँ जँ  संतति होइत तँ बड़ कृपा होइत। राजा जनक जखनहि ई मनमे सोचलनि तँ अंतरिक्षसँ अलौकिक शब्द भेल- अहाँकेँ एकरे समान संतान भेटत।

एतए अंतिम पंक्तिक अन्वय होएत- “अस्याः सदृशं अपत्यं त्वं प्राप्स्यसि।” एतए ‘अस्याःʼ शब्दमे षष्ठी विभक्ति मानव उचित होएत। एतए पंचमी विभक्ति मानि सीताकेँ मेनकाक पुत्री सिद्ध करबाक लेल जे कथा प्रचलनमे अछि से आदरणीय नहि। सीतायाः सदृशी भार्या त्रयमेकत्र दुर्लभम् मे सेहो सीताक समान भार्याक बात कहल गेल अछि। तें उपर्युक्त पंक्ति “प्राप्स्यस्यपत्यमस्यास्त्वं सदृशं रूपवर्चसा” मे अस्या शब्दमे पंचमी विभक्ति मानि सीताकेँ मेनकाक संतान मानब अनुचित अछि। तेँ एतए सादृश्यमे षष्ठी विभक्ति मानल जाएत।

राजा जनक गृहस्थ छलाह, निःसन्तान छलाह, हुनका मनमे ई भावना आएब स्वाभाविक छल। ई आकाशवाणी शीघ्र सिद्ध भेल। राजा जनक यज्ञ करबाक लेल वेदीक भूमि-शोधनक क्रममे हर चलबितहिँ रहथि कि एकटा कन्या माँटिसँ बहरएलीह।

क्रमशः…

Previous Article

जानकीपूजाविधि, (जानकीसहस्रनाम सहित), लेखक- पण्डित श्री शशिनाथ ...

Next Article

क्या सच में बी.एच.यू. की योजना मालवीयजी ...

0
Shares
  • 0
  • +
  • 0
  • 0
  • 0
  • 0

Bhavanath Jha

मिथिला आ मैथिलीक लेल सतत प्रयासरत

Related articles More from author

  • Ghost in Bengali culture
    कंटक-शोधनलोक-वेद

    भूत आ प्रेत की थीक? लोक केँ किएक डर होइत छैक?

    September 11, 2019
    By Bhavanath Jha
  • महावीर हनुमानजी
    वाल्मीकि रामायण

    सीताजी के वरदान से होती है हनुमानजी की पूजा

    August 9, 2020
    By Bhavanath Jha
  • कंटक-शोधन

    सनातन धर्म में बहुदेववाद बनाम धार्मिक स्वतंत्रता

    September 20, 2023
    By Bhavanath Jha
  • manuscript from Mithila
    इतिहासधरोहर

    गोनू झा व्यक्तित्व आ इतिहासक स्रोतक रूपमे पंजी-विमर्श

    August 7, 2023
    By Bhavanath Jha
  • Kumbhakarna sleeping
    वाल्मीकि रामायण

    कुम्भकर्ण किसके शाप से छह महीना सोता रहता था?

    December 29, 2021
    By Bhavanath Jha
  • दुर्गापूजा में पट लगाना
    कंटक-शोधन

    जहाँ दुर्गा माँ की पूजा सालों भर होती हो, वहाँ दुर्गा-पूजा में पहली से छठी तक पट लगाने का विधान ...

    October 1, 2021
    By Bhavanath Jha

Leave a reply Cancel reply

अहाँकें इहो नीक लागत

  • mithila map
    इतिहासमैथिली साहित्य

    दरभंगा शासनक दिससँ मैथिलीक लेल प्रयास आ सरकारक स्थिति- 1933ई.

  • Maharaja Rameshwar Singh
    इतिहास

    दरभंगा महाराज रमेश्वर सिंह कें “काइजर-ए-हिन्द” (“कैसर-ए-हिन्द”क उपाधि

  • इतिहास

    12 वीं शती के ग्रन्थ ‘कृत्यकल्पतरु’ में भी है ज्ञानवापी का उल्लेख

  • इतिहास

    अफीम कमीशनमे महाराज लक्ष्मीश्वर सिंह

  • Mithila Yantra
    इतिहासपर्यटन

    मिथिला की तीर्थयात्रा सम्बन्धी विवरण

कॉपीराइट की स्थिति

इस साइट का सर्वाधिकार पं. भवनाथ झा के पास सुरक्षित है। नियम एवं शर्तें लागू

सम्पर्क-

भवनाथ झा, Email: bhavanathjha@gmail.com whatsApp: 9430676240

शैक्षणिक उद्देश्य से कापीराइट की स्थिति

एहि वेबसाइटक सामग्रीक सर्वाधिकार पं. भवनाथ झा लग सुरक्षित अछि। शैक्षिक उद्देश्य सँ सन्दर्भ सहित उद्धरणक अतिरिक्त एकर कोनो सामग्रीक पुनरुत्पादन नहिं करी। जँ कतहु शैक्षिक उद्देश्यसँ सामग्री लेल जाइत अछि तँ ओहि वेबपृष्ठक URL सहित देल जा सकैत अछि।

  • उद्देश्य
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
  • इतिहास
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
  • वैधानिक
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति
Copyright: Bhavanath Jha- All rights Reserved, 2021