महाराज दरभंगा अपन कालमे सरकारक दृष्टिमे ततेक विश्वस्त रहथि जे हुनका नशाबंदीक विरुद्ध सरकारी अभियानमे आयोगमे राखल गेल छल।
1893 ई. मे अफीमक खेती आ नशाक रूपमें ओकर व्यवहार पर रोक लगेबाक लेल ब्रिटिश सरकारक द्वारा एक समितिक गठन कएल गेल जाहि मात्र दू भारतीय व्यक्ति कें राखल गेल। ओहि दू मेसँ एक रहथि दरभंगाक महाराज लक्ष्मीश्वर सिंह आ दोसर छलाह- नरदास बिहारीदास देसाई।
THE OPIUM COMMISSION.
The London Gazette of last night announces the appointment of the Opium Commission, consisting of Lord Brassey, Sir James Lyall, the Maharajah of Darbhanpa, Dr. Sir W. Roberts, Mr H. G. C. Mowbray, M.P., Mr Arthur Upton Fanshaw (director-general of the Post office of India), Mr Arthur Pease, Mr. Naredus Veharedas and Mr H. J. Wilson, M.P. The commission will investigate whether the growth of the poppy and manufacture and sale of opium in India should be prohibited except for medical purposes, and whether such prohibition could be extended to native states ; and also the effect on the finances of India of the prohibition of the sale and export of opium. Mr John Prescott. Hewett, deputy secretary of the Government of India in the Home Department, is appointed secretary to the commission.
एहि समितिक दायित्व छल जे ओ अफीमक प्रयोग पर रोक लगाबथि। केवल दबाइक रूपमे अफीमक प्रयोगकें मान्यता भेटल छल।