कोना पोथी तैयार कएलाक बाद जँ ओ इतिहास विषयसँ सम्बद्ध रहैत अछि अथवा कोनो ज्ञान पाठ्य रहैत अछि तँ ओहि पोथीक शब्द-सूची बनाएब आवश्यक रहैत छै। ओ सूची पोथीक अंतमे देल रहैत अछि जाहिमे ई उल्लेख रहेत छै जे फलाँ शब्द एहि पोथीक अमुक पृष्ठ पर अछि। पुस्तक सूचीक आदर्श रूप एतए देखि सकैत छी-

एहन सूची बनएबाक लेल पहिने बड़ मेहनति पड़ैत छल। पूरा पोथी छपि गेलाक बाद ई सूची बनाओल जाइत छल, जाहिसँ पृष्ठ संख्यामे कोनो हेरफेर नहि हो। सभ पृष्ठकें पढ़ि एक-एक टा शब्दकें ओकर पृष्ठ संख्या सहित लिखल जाइत छल। तकर बाद ओकरा वर्णानुक्रमसँ सजाओल जाइत छल।

आब कम्प्यूटर पर ‘टाइपिंग’ आ ओकर ‘फॉरमेटिंग’ होइत अछि तें पोथीक ‘इंडेक्स’ बनएबाक लेल आब कम्प्यूटरसँ बहुत अधिक सहायता भेटि जाइत छैक।

एखनहुँ मैथिलीक पोथी अधिकांश लोक ‘पेजमेकर’ पर बनबैत छथि। यद्यपि ई आब बड़ पुरान भए गेल अछि, यूनिकोड फोंट धरि एहि पर काज नै करै छै, मुदा वास्तविकता यैह अछि जे बहुतो गोटे एकरे व्यवहार करैत वाकमैन चानक्या फोंटमे पोथी बनबैत छथि। तें हुनका लोकनिक लेल पहिल खेप एतए ‘एडॉब पेजमेकर’ पर ई शब्द-सूची बनएबाक की विधि अछि, से देल जा रहल अछि।

‘पेजमेकर’ पर बनल पोथीमे शब्द-सूचीक निर्माण।

  1. ‘पेजमेकर’ पर पोथीक ‘फाइल’ खोलि लियौ।
  2. जाहि शब्दकें सूचीमे जोड़बाक अछि तकरा ‘सेलेक्ट’ करू।
  3. ‘पेजमेकर’क ‘रिबन’मे ‘युटिलिटीज’ खोलू।
  4. ओहिमे ‘इंडेक्स इंट्री’ भेटत, ओकरा ‘क्लिक’ करू।
  5. तकर बाद आहाँकें नीचाँ देल चित्रक अनुसार एकटा ‘बिंडो’ खुजत।
  6. ओहिमे ‘ओके’ पर क्लिक करू।

एतबा कएला पर अहाँक ओ शब्द ‘पेजमेकर’क एहि फाइलक संग ‘इंडेक्स’मे जुड़ि जाएत।

शॉर्टकट कुंजी- शब्दकें सेलेक्ट कएलाक बाद ‘कंट्रोल+वाइ+इंटर’ दबाउ, ऊपरक सभटा काज भेल जाएत।

एहि विधिसँ पुस्तकक सभटा शब्द एक-एक कए जोड़ैत चलू। लेखक कें कहियनु जे प्रिंट पर ओ शब्द हाइलाइट कए देताह। प्रूफ देखबाक क्रममे अहाँ इडेक्स जोड़ैत चलू। ‘इंडेक्स’ पृष्ठ संख्याक संग जुड़ैत जाएत।

बनल ‘इंडेक्स’ देखबाक विधि

पोथीमे को-कोन शब्द जुड़ि गेल अछि से देखबाक लेल फाइल कें ‘स्टोरी मोड’मे खेलि लिय़ौ। एहि लेल ‘कंट्रोल+ई’ दबाउ।

‘स्टोरी मोड’मे जे ‘फाइल’ खुजत तँ एकटा समस्या आओत। अहाँ देखब जे सभटा अक्षर रोमनमे बदलि गेल अछि। एकर कारण ई अछि जे अहाँक फाइलमे ‘वाकमैन चाणक्या’ अथवा ‘डेवलिस’ अथवा ‘क्रुतिदेव’ आदि ‘ट्रू टाइप लोकल’ फोंटक व्यवहार कएल गेल अछि। तें ‘स्टोरी मोड’मे सभटा रोमनमे बदलि रहल अछि।

स्टोरी मोडमे फोंट ठीक करबाक विधि

एकरा ठीक करबाक लेल एकटा उपाय करू-

  1. फाइल मीनूमे जाउ।
  2. एहिमे ‘प्रिफरेंसेज’मे ‘जेनरल’ खोलू।
  3. ‘जेनरल’में ‘मोर’ पर ‘क्लिक’ करू।
  4. एहिमे ‘स्टोरी एडिटर’ भेटत आ ओतए ‘फोंट’ बदलबाक सुविधा भेटि जाएत।
  5. जाहि फोंटमे अहाँक पोथी अछि से एतए ‘सेलेक्ट’ कए लियौ।
  6. एतए ‘फोंट साइज’ सेहो बढ़ा सकैत छी। एतए फोंट साइज आहाँ कतबो बढ़ाएब तँ पोथीक फोंट साइज पर कोनो असरि नै पड़त। केवल स्टोरी मोडमे स्क्रीन पर अक्षर पैघ देखाएत।

एतेक कएलाक बाद फेरसँ ‘स्टोरी मोड (कंट्रोल+ई)’ खोलू। आब अहाँकें सही फोंटमे अपन फाइल देखाए लागत।

इंडेक्स इंट्रीक चिह्न

एतए अहाँ देखि रहल छी कोनो कोनो शब्दमे ‘बुलेट’क चिह्न दू बेर लागि गेल अछि। एकर माने ई भेल जो ओहि शब्दकेँ दू बेर ‘इंडेक्स’मे जोड़ि देल गेल छैक। ओना एहिसँ अहाँक इंडेक्स पर कोनो असरि नै पड़त। जँ चाही तँ एकटा बुलेटकेँ अहाँ डिलीट कए सकैत छी।

इंडेक्स बनएबाक विधि

एहि प्रकारें जखनि सौसे पोथीक सभटा शब्द जोड़ल भए जाए तखनि ओकरासँ इंडेक्स बनएबाक विविध नीचाँ देल जाइत अछि-

  1. फाइलक अंतमे एकटा सादा पृष्ठ जोड़ू।
  2. फेर ‘पेजमेकर’क ‘रिबन’मे ‘युटिलिटीज’केँ खोलू।
  3. ओहिमे ‘क्रिएट इंडेक्स’ पर क्लिक करू।
  4. अहाँ देखब जे ‘पेजमेकर’ सभटा शब्दकें ‘रिट्रीव’ कए रहल अछि।
  5. किछु कालक बाद ‘कर्सर’ पर सभटा जमा भए जाएत।
  6. आब ओहि सादा पृष्ठ पर क्लिक कए दियौक। अहाँ देखब जे सभटा शब्द अपन वर्णक संग एतए आबि गेल अछि।

एतए एकटा समस्या भेटत। जँ पोथी अंग्रेजीमे अछि तखनि तँ ‘ए’ सँ ‘जेड’ धरि सभटा व्यवस्थित भेटि जाएत मुदा जँ पोथी हिन्दी अथवा मैथिलीक थीक तँ  वर्णानुक्रममे उलटा-पुलटा भेटत।

वर्णानुक्रम ठीक करबाक व्यावहारिक विधि

एकटा ठीक बहुत सीमा धरि ठीक करबाक लेल व्यावहारिक उपाय अछि जे सभटा कें ‘कंट्रोल+ए’ सँ सेलेक्ट कए कापी कए ‘माइक्रोसॉफ्ट एक्सल’ फाइल पर लए जाउ। ओतए ‘ए टू जेड सॉर्ट’ कए लियौ।

ई कएलासँ बहुत हद धरि अहाँक शब्द-सूची वर्णानुक्रसँ व्यवस्थित भए जाएत। कमसँ कम एक अक्षर पर जतेक शब्द अछि ओ एकठाम आबि जाएत।

आब कॉपी-पेस्ट कए ऊपर-नीचाँ सजाए लियौ।

‘पेजमेकर’मे एहि प्रकारें शब्द-सूची बनओला पर यद्यपि बहुत काज बादोमे करए पड़त मुदा शब्द आ ओकर पृष्ठ संख्या सँ निश्चिन्त रहू जे एहिमे कोनो अंतर नै आओत आ अहि प्रकारें कम्प्यूटरक सहायतासँ लगभग 90 प्रतिशत काज सुगम भए जाएत।

‘पेजमेकर’मे कोनो शब्दकें सभ पृष्ठ पर एक सँग इंडेक्समे जोड़बाक लेल

जँ अहाँ चाहैत छी जे अहाँक सौंसे फाइलक कोनो खास शब्द एके बेर इंडेक्समे जुड़ि जाए तँ ओकरा लेल ई विधि अपनाउ-

  1. शब्द कें ‘सेलेक्ट’ करू।
  2. ‘राइट क्लिक’ कए ‘चेंज’ पर जाउ। एतए अहाँ देखब जे जे शब्द ‘सेलेक्ट’ कएने रही से उपरका बॉक्समे अपनहिं आएल अछि। नीचाँक बॉक्समे ^; ई दूनू माने ‘कैरेट’ आ ‘सेमीकॉलन’ दियौ। वाकमैन चाणक्यामे ऑल्ट+94 सँ ई चिह्न टाइप होएत।

ई चिह्न कैरेट कहबैत अछि

^Circumflex (symbol)Caret (The circumflex symbol is known as a caret in computing and mathematics)Circumflex (diacritic), Caret (computing)

आब ‘चेंज ऑल’ कए लियौ। ओ शब्द अहाँक सौंसे फाइलमे जाहि जाहि पृष्ठ पर होएत ओ पृष्ठ संख्याक संग एके बेर इंडेक्समे जुड़ि जाएत।

उपर देल गेल विधिसँ काज कए देखियौ। कोनो दिक्कत होए तँ एहि पृष्ठ पर कॉमेंट बॉक्समे लिखू। जबाब देल जाएत।

माइक्रोसॉफ्ट पर ई इंडेक्स बनएबाक विधि अगिला पोस्ट पर।

पोथी तैयार करबाक लेल आरो बहुत रास उपयोगी सामग्री हम लीखि रहल छी।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *