पोथी निर्माणक क्रममे एकटा समस्या अबैत छैक विषय-सूची बनाएब। एहिमे पृष्ठ संख्या लिखए पड़ैत छैक। जँ पोथी पैघ रहल आ लेखक बेर-बेर सामग्रीकेँ आगाँ-पाछाँ करबैत रहलाह, तखनि कम्प्यूटर पर पोथी तैयार कएनिहारकेँ सभ बेर विषय-सूची बनबए पड़ैत छनि, जाहिमे समय तँ लगिते अछि, सावधानी सेहो राखए पड़ैत अछि।

एखनहुँ अधिकांश पोथी एडॉब पेजमेकर सॉफ्टवेयर पर तैयार होइत अछि। ओना एकरा बंद भेना 20 वर्ष भए गेल। ई बड़ पुरान भए गेल छैक, तथापि डी.टी.पी.क काज कएनिहार एखनहुँ बेसी गोटे एकरे उपयोग करैत छथि। ओ वाकमैन चानक्या, डेवलिस आदि फोंटक व्यवहार कए बेसी काज एहि पर करैत छथि।

एहि पेजमेकर पर विषय-सूची बनएबाक विधि एतए देल जा रहल अछि।

विषय-सूचीमे जाहि पंक्तिकें जोड़बाक अछि, ओ अलग पाराग्राफ में रहबाक चाही।

विषय-सूचीमे मुख्यरूपसँ अध्यायक शीर्षक अवश्य रहत। आ तकर बाद उपशीर्षक सेहो विषय-सूचीमे रहबाक चाही।

  1. विषय-सूचीक रूपमे जोड़बाक लेल ओहि पंक्तिकें सेलेक्ट करू अथवा कोनो ठाम कर्सर राखू।
  2. तखनि रिबन बारमे टाइपमे जाउ। ओतए पैराग्राफ पर क्लिक करू
  3. पैराग्राफ जखनि खुजत तँ सभसँ नीचाँमे Include in Table of Contents पर चेकबॉक्स पर क्लिक करू आ ओ.के. कए दियौ।

एहिसँ अहाँक ओ पंक्ति विषय-सूचीमे संकलित करबाक लेल तैयार भए गेल। पूरा फाइलमे एही प्रकारें काज करैत जाउ।

शीर्षक, उपशीर्षक आ अंतर्वर्ती शीर्षक सभटाकें एहि विधिसँ Table of Contents के रूपमे जोड़ैत चलू।

जँ स्टाइल बना कए काज कए रहल छी तँ अहाँक लेल ई आर आसान भए जाएत।

अध्यायक नाम लेल हेडिंग नामक स्टाइल बनत। एहि स्टाइल केँ एडिट करू। जखनि पाराग्राफ एडिट (कंट्रोल+एम.) करए लागी तखनि तँ सभसँ नीचाँमे Include in Table of Contents पर चेकबॉक्स पर क्लिक करू आ ओ.के. कए दियौ।

आब आहाँ जाहि पंक्तिकें हेडिंग स्टाइल में बनाएब ओ अपनहिं विषय-सूचीमे जुडल जाएत।

अहिना सबहेड के पैराग्राफ एडिट कए Include in Table of Contents मे ओकरा जोडि लियौ।

एहिमे आलेखक रचनाकारक नाम सेहो जोड़ि सकैत छी, जे शीर्षकक ठीक नीचाँमे पृष्ठसंख्याक संग आबि जाएत।

ई काज अहाँ टाइप करबाक काल सेहो कए सकैत छी। ओ फाइल सभटाकें सुरक्षित करैत जाएत।

किछु सम्भावित स्थिति आ ओकर समाधान

जँ अहाँक फाइलमे आन ठामसँ टाइप कएल श्लोक, कविता, उद्धरण आदि कॉपी कए लेल गेल अछि तँ सम्भव थीक जे जखन विषय-सूची बनाबए लागब तँ सभटा कविताक पहिल पंक्ति सेहो एहि सूचीमे आबि जाए। वर्तमान पुस्तकमे जँ अहाँकें ओकर सूची नै देबाक अछि तँ ओहि पंक्तिसभ कें विषय-सूचीसँ हटाबए पड़त।

ई हटेबाक लेल पेजमेकरक फाइलकें कंट्रोल+ए. सँ सेलेक्ट करू। तखन कंट्रोल+एम. सँ पैराग्राफ एडिटिंग खोलू। ओहिमे अहाँ देखब जे नीचाँ Include in Table of Contents वला चेकबॉक्स पर चेक कएल अछि। ओकरा अनचेक करू।

एहि प्रकारें पूरा फाइल केँ पहिने साफ कए लियौ। तखनि वर्तमान फाइलमे नव ढंगसँ विषय-सूची उफरका विधिसँ बनाए लियौ।

विषय-सूचीक निर्माण-

विषय-सूची वला पृष्ठ खोलि युटिलिटीज मे जाउ। ओतए create TOC पर क्लिक करू।

अहाँ देखब जे ओहि पृष्ठ पर पृष्ठसंख्याक संग अहाँक पूरा विषय-सूची बनल तैयार अछि।

चारि सय पृष्ठक पोथीक विषय-सूची बनएबाक लेल जाहि काजमे 2 घंटा लागत से एहि विधिसँ मात्र किछु सेकेंड मे विषय-सूची बनि जाएत, जाहिमे पृष्ठ संख्या मिलएबाक सेहो काज नै। कारण जे कम्प्यूटर अपन आंतरिक स्रोतसँ ई बनाए लैत अछि।

केवल पोथीक विभिन्न पन्ना पर जे पंक्तिसभ अछि तकरा विषय-सूचीक रूपमे देखाएब अहाँक काज थीक।

काज कए देखियौ। कोनो दिक्कत होए तँ नीचाँ कॉमेंट बॉक्समे लिखू।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *