दोसर भाग-
मिथिलाक्षर सिखबाक क्रममे केवल लिखब पर्याप्त नहिं होइत अछि। आनक लिखल अक्षर पढ़ल होएबाक चाही। एही उद्देश्यसँ हम एकटा अभ्यासमाला आरम्भ कएल अछि।
फोन पर पढबामे असुविधा हो तँ डाउनलोड कए पढ़ सकैत छी।
आइसँ लगभग 100 वर्ष पुरान मिथिलाक्षरक लिखल अंश एतए प्रकाशित अछि। एकरा पढ़ि नीचाँ कॉमेंट बॉक्समे अपन टाइप कए पठा सकैत छी। अथवा हमर ईमेल bhavanathjha@gmail.com वा whatsApp 9430676240 पर हाथसँ लीखि पठा सकैत छी।
- जाहि अंशमे पढ़बामे असुविधा हो, ओतए-
- जतेक अक्षर नहिं पढा सकए ओतेक संख्यामे जोड़(+ )क चिह्न दए आगाँ बढ़ि सकैत छी।
लिप्यंतरणकार यथासाध्य अशुद्ध प्रयोगकें रेखांकित करथि। जतय अपना ऊहि छनि ओतय शुद्ध कए नीचाँ पाण्डुलिपिक पाठ लीखि देथि। जँ कोनो अक्षर छुटल छै आ लिप्यंतरणकार दृढ छथि जे एतय यैह अक्षर हेतैक तँ ओकरा कोष्ठमे लिखि देथि।
एकर लिप्यंतरण दिनांक 21 मार्च, 2021 केँ देल जाएत।