मिथिलाक्षर सिखबाक क्रममे केवल लिखब पर्याप्त नहिं होइत अछि। आनक लिखल अक्षर पढ़ल होएबाक चाही। एही उद्देश्यसँ हम एकटा अभ्यासमाला आरम्भ कएल अछि।
फोन पर पढबामे असुविधा हो तँ डाउनलोड कए पढ़ सकैत छी।
आइसँ लगभग 100 वर्ष पुरान मिथिलाक्षरक लिखल अंश एतए प्रकाशित अछि। एकरा पढ़ि नीचाँ कॉमेंट बॉक्समे अपन टाइप कए पठा सकैत छी। अथवा हमर ईमेल bhavanathjha@gmail.com वा whatsApp 9430676240 पर हाथसँ लीखि पठा सकैत छी।
- जाहि अंशमे पढ़बामे असुविधा हो, ओतए-
- जतेक अक्षर नहिं पढा सकए ओतेक संख्यामे जोड़(+ )क चिह्न दए आगाँ बढ़ि सकैत छी।
ऊपर देल गेल पाण्डुलिपिक पाठ एवं विवरण
लिप्यन्तरण करबाक काल पत्रसंख्याक उल्लेख आवश्यक होइत एछि। ऊपर देल गेल पाण्डुलिपिक पहिल पत्रक पहिल पृष्ठ खाली छैक। दोसर पृष्ठसँ ग्रन्थ आरम्भ होइत अछि। पाण्डुलिपिक पत्र माने पन्नाक पहिल पृष्ठ कें Recto कहल जाइत छैक आ ओकरा उलटि देला पर जे पृष्ठ होइत अछि तकरा Verso कहल जाइत छैक एकरा दूनूकेँ अंग्रेजी मे R एवं V सँ, a एवं bसँ अथवा क एवं ख सँ लिखल जाइत अछि। लिपयन्तरणक काल कोन पाठ पाण्डुलिपिक कोन पृष्ठ सँ आरम्भ अछि से संकेत करब लिपिकारक कर्तव्य होइत छनि।
आजुक पाठक देवनागरी लिप्यन्तरण एना होएत-