Brahmi Publication

Top Menu

  • उद्देश्य
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति

Main Menu

  • उद्देश्य
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति
  • उद्देश्य
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति

logo

Brahmi Publication

  • उद्देश्य
    • जानकीपूजाविधि, (जानकीसहस्रनाम सहित), लेखक- पण्डित श्री शशिनाथ झा

      May 3, 2022
      0
    • article by Radha kishore Jha

      वेद या वेदान्त प्रतिपाद्य धर्म क्या है?

      October 28, 2021
      0
    • धर्मायण के आश्विन अंक के डिजिटल संस्करण का हुआ लोकार्पण

      September 21, 2021
      1
    • Kadamon ke Nishan

      मानवीय संवेदनाओं को समेटती डा. धीरेन्द्र सिंह की मैथिली कविताएँ- "कदमों के ...

      September 6, 2021
      0
    • Krishna-janma cover

      मनबोधकवि कृत कृष्णजन्म (प्रबन्धकाव्य), डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      May 2, 2021
      0
    • Kirtilata cover

      विद्यापति कृत कीर्त्तिलता, डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      May 2, 2021
      1
    • विद्यापति कृत कीर्तिगाथा एवं कीर्तिपताका, डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      विद्यापति कृत कीर्तिगाथा एवं कीर्तिपताका, डा. शशिनाथ झा द्वारा सम्पादित

      May 2, 2021
      1
    • अपभ्रंश काव्य में सौन्दर्य वर्णन

      अपभ्रंशकाव्य में सौन्दर्य वर्णन -डॉ. शशिनाथ झा

      April 30, 2021
      1
    • डाकवचन-संहिता

      डाकवचन संहिता (टिप्पणी-व्याख्या सहित विशुद्ध पाठ, सम्पूर्ण)- डॉ. शशिनाथ झा

      April 30, 2021
      1
    • पुस्तक-प्रकाशन
    • पोथी, जे पढल
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
    • Dayananda's merits

      ‘पितर’ के अर्थ में ‘अग्निष्वात्ताः’ शब्द का वास्तविक अर्थ क्या है?

      September 25, 2022
      0
    • Sanatana religion

      Hinduism versus Sanatana Dharma : Which of the two words is correct?

      May 10, 2022
      0
    • Krishnasthami

      ताही बीचै जनमल छोरा यानी उसी बीच छोरे श्रीकृष्ण का जन्म

      August 30, 2021
      0
    • सिरहर, सिरहड़

      मिथिलाक लोक-परम्परामे सिरहड़-सलामी

      August 7, 2021
      0
    • श्राद्ध-कर्म

      विपरीत परिस्थिति में श्राद्ध की शास्त्र-सम्मत विधि

      May 12, 2021
      0
    • डाकवचन-संहिता

      डाकवचन संहिता (टिप्पणी-व्याख्या सहित विशुद्ध पाठ, सम्पूर्ण)- डॉ. शशिनाथ झा

      April 30, 2021
      1
    • मिथिलाक प्राचीन सदाचार 01

      March 17, 2021
      0
    • Responsibilities of a Brahmana

      छठ का अर्घ्य- पण्डितजी की जरूरत क्यों नहीं?

      November 18, 2020
      1
    • Responsibilities of a Brahmana

      मैथिली लोकगीतों में नारी

      August 15, 2020
      0
    • पाबनि-तिहार
    • पूजा-पाठ
    • ज्योतिष-विचार
  • इतिहास
    • श्राद्ध और पितृकर्म पर एक खुली बहस- सनातन धर्म हमें जोड़कर रखता ...

      October 2, 2023
      0
    • manuscript from Mithila

      गोनू झा व्यक्तित्व आ इतिहासक स्रोतक रूपमे पंजी-विमर्श

      August 7, 2023
      0
    • धूर्तराज गोनू कर्णाट शासनक कालक ऐतिहासिक पुरुष छलाह

      August 4, 2023
      0
    • सतीप्रथा

      भारत में सती प्रथा पर हंगामे के इतिहास की सच्चाई

      June 3, 2023
      1
    • Arya Samaj

      जॉन मुइर की ‘मतपरीक्षा’ तथा दयानन्द के ‘सत्यार्थप्रकाश’ का ‘साइड इफैक्ट’

      May 21, 2023
      0
    • bipra-dhenu--

      भारतीयों का वेद 'रामचरितमानस'

      March 15, 2023
      0
    • Vritta Muktavali of Maithil Durgadatta

      मैथिल दुर्गादत्त ओ हुनक छन्दःशास्त्रीय ग्रन्थ 'वृत्तरत्नावली'

      September 23, 2022
      1
    • Lalkrishna Advani on Maithili language

      मैथिली आ अंगिका पर लालकृष्ण आडवानी की बाजल रहथि

      September 22, 2022
      0
    • mithila map

      मिथिला आ ओकर अस्मिताक निर्धारक तत्त्व

      August 31, 2022
      0
    • वाल्मीकि रामायण
    • धरोहर
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
    • संस्कृत पाठमाला 7 – कारक, सामान्य परिचय
    • पाठ- 6. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) संस्कृत भाषा में विशेष्य-विशेषण भाव सम्बन्ध
    • पाठ- 5. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 4. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति) सर्वनाम शब्दों के रूप
    • पाठ- 3. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 2. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
    • पाठ- 1. संस्कृत पाठमाला (प्राचीन पद्धति)
  • वैधानिक
    • बार-बार पूछे गये प्रश्न
    • गोपनीयता, नियम एवं शर्तें-
    • कूकी की स्थिति (Cookies)
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति
  • सनातन धर्म में बहुदेववाद बनाम धार्मिक स्वतंत्रता

  • क्या सनातन धर्म में बदलाव सम्भव नहीं है?

  • जॉन मुइर की ‘मतपरीक्षा’ तथा दयानन्द के ‘सत्यार्थप्रकाश’ का ‘साइड इफैक्ट’

  • छठ का अर्घ्य- पण्डितजी की जरूरत क्यों नहीं?

  • छठि परमेसरीक स्वरूप आ कथा

मिथिलाक्षर
Home›मिथिलाक्षर›Standardization of Mithilakshar script

Standardization of Mithilakshar script

By Bhavanath Jha
September 11, 2019
289
0
Share:
Mithilakshar

मिथिलाक्षरक मानकीकरणमे समस्या आ समाधानक दिशा

हमरालोकनि देखि चुकल छी जे 10म शतीसँ 19म शती क पूर्वार्द्ध धरि मिथिलाक्षरक स्वरूप अपरिवर्तित रहल अछि। केवल द अक्षरमे विशेष परिवर्तन भेल जे नागरीक समान रूप छोडि लगभग 15म शतीमे अपन वर्तमान स्वरूपमे आबि गेल। भ अक्षर 12म शतीक लगपासमे अपन वर्तमान स्वरूपमे आबि गेल। शेष अक्षर आ संयुक्त करबाक विधि 10म शतीसँ आइ धरि समाने रहल अछि।

आइ मानकीकरणक पहिल समस्या अछि जे 1850 ई.क बाद मिथिलाक्षरक जे स्वरूप हमरालोकनि पबैत छी ओकरा मानक मानल जाये अथवा 10म शती सँ 1850 धरि जे अपन मौलिक स्वरूप अछि तकरा मानक मानल जाये?

लिपिक इतिहास कहैत अछि जे 18म शती धरि बंगला आ मिथिलाक्षर एके रहल। हलन्त लगएबाक शैली, अनुस्वारक शैली आदिमे किछु परिवर्तनक संग बंगला ओहि समयमे अलग भेल जहिया इस्ट इंडिया कम्पनी बंगालमे पुस्तक मुद्रणक लेल 1786 ई.मे काँटाक निर्माण करओलक। एकर बाद छपल पुस्तक मिथिलो क्षेत्रमे उपलब्ध भेल आ मैथिल पंडितक घरमे पढ़ल जाए लागल। हुनकालोकनिकें कतहु कोनो असुविधा नहिं भेलनि आ छपल पुस्तकक स्पष्टता मोहित केलकनि। हुनकालोकनिकें बुझएलनि जे ई तँ हमरहि अक्षरक छापा थीक, मिथिलाक्षरे थीक।

मुदा दोसर पीढी तँ ओएह छापाक स्वरूपकें सिखलक आ शनै शनैः मिथिलाक्षरमे बंगलाक छापाक प्रभाव घोंसिआइत गेल।

तकर बादो 1850 ई. धरि बहुत गोटे अपन पुरान स्वरूप कें नहिं छोडने रहथि, तें दरभंगासँ प्राप्त छत्रसिंहक शिलालेख मे हमरालोकनिकें प्राचीन स्वरूपक दर्शन होइत अछि।

एहि कालक बहुत पाण्डुलिपि अछि जाहिमे श, ण, र, अ, आदि अक्षर अपन पुराने स्वरूपमे अछि।
एतय मूल अक्षरक विभिन्न लोक द्वारा गृहीत शैली देखल जा सकैत अछि आ बंगलाक संग सेहो ओकर तुलना प्रस्तुत अछि।

पाठक स्वयं विचारि सकैत छथि जे आइ जखनि हमरालोकनि कें अपन स्वतंत्र अस्तित्व स्थापित करबाक काज अछि तँ कोन स्वरूप कें ग्रहण कएल जाए।
एतय ध्यातव्य अछि जे 20म शतीक उत्तरार्द्धमे जखनि मिथिलाक्षर विलुप्त होमय लागल तखनि किछु अनुरागीलोकनि मिथिलाक्षरक शिक्षाक लेल पुस्तक लिखलनि, जाहिमे डा. विश्वनाथ झाक पुस्तक सभसँ अधिक चर्चित रहल। पहिल बेर ग्रन्थालय प्रकाशन, टाबर चौक दरभंगासँ एकर मुद्रण भेल  दोसर बेर मैथिली साहित्य परिषद्, दरभंगा एकर 10 हजार प्रति प्रकाशित केलक जकरा कारणें ई उपलब्धताक दृष्टिसँ सभसँ अधिक विख्यात भेल। एकर अतिरिक्त श्रीमती आद्या झाक पुस्तक मिली अकादमीसँ प्रकाशित भेल। एहि पुस्तिका सभक लेखक आ लेखिका 20म शतीक बंगला प्रभावित स्वरूपकें ग्रह्ण केलनि फलतः उ, ऊ, ग, च, छ, ज, ण, ब, र, ल, व, श एवं ह अक्षर पर बंगलाक पूरा प्रभाव पडल आ मिथिलाक्षर बंगलाक अनुरूप भए गेल।

श्रीमती आद्या झाक पुस्तक मे बहुत हद धरि प्राचीन रूप रहल किन्तु डा. झाक पुस्तकमे अक्षरक स्वरूप पूर्णतः बंगलाक आबि गेल। ओ स्वयं बंगलाक माटि-पानिसँ भीजल लोक रहथि आ अपने जेना जनैत रहथि ओही प्रकारसँ पुस्तकक निर्माण कए देलनि।
एकरा संगहिं ई भ्रान्ति सेहो पसरि गेल जे मिथिलाक्षर बंगलाक समान अछि अथवा ई बंगला अक्षर थीक। माय आ बेटीमे जतबा आनुवंशिक समानता होइत छैक से तँ रहबे करतैक, मुदा एतेक समानता नहिं, जाहिसँ मायक पहिचान मेटा जाये। जे व्यक्ति ने तँ मिथिलाक्षर जनैत रहथि आ ने बंगला, ओ एहि गप्पकें हवा देलनि जे मिथिलाक्षर आ बंगला एकहि थीक।
जें कि डा. विश्वनाथ झाक पुस्तक सभसँ लोकप्रिय रहल तें कम्प्यूटरक लेल जखनि फोंट निर्माण भेल तँ ओही बंगला प्रभावित अक्षरक उपयोग कएल गेल।

एकर विपरीत 2004मे जखनि दरभंगासँ डा. विनय झा अपन फोंट बनौलनि तखनि ओ बहुत हद धरि विश्वनाथ झाक पुस्तकसँ अलग हटि कए प्राचीन स्वरूपकें ग्रहण केलनि। हुनक मिथिलाक्षर 1, मिथिलाक्षर 2 एवं मिथिलाक्षर 3 के नाम सँ हस्तलिखित शैलीमे बनल फोंट मिथिलाक्षरक प्राचीन धाराक अनुरूप अछि।

2011 ई.मे सूर्यलक्ष्मी नामसँ एक फोंट बनल तँ ओहो बंगलासँ काफी हद धरि प्रभावित रहल।

यूनिकोड आधारित फोंट जानकी नेपालसँ बनल तँ ओहूमे इऐह स्थित रहल।
मोटा-मोटी 20म शतीक उत्तरार्द्धमे जे कोनो प्रयास मिथिलाक्षरक लेल भेल ओहिमे बंगलाक शैली प्रभावी रहल आ 1850 धरिक मूल स्वरूप समाप्त भए गेल। महाकवि चन्दा झा धरि जे अक्षर स्वरूप छल सेहो बिला गेल।

तें आइ आवश्यकता एहि बातक अछि जे हमरालोकनि अपन लिपिक प्राचीन रूपकें मानक रूपमे मानि ली जखनहिं हमरालोकनिक इतिहास सुरक्षित रहि पाओत जेकरा आधार पर सिद्धान्त रूपमे हमरालोकनि मिथिलाक्षरकें बंगला, असमिया आ उडियाक मातृलिपि मानैत आबि रहल छी।

TagsMithilaksharTirhuta
Previous Article

History of Panji in Mithila and its ...

Next Article

मिथिलाक पद्धतिक अनुसार सरस्वती पूजाक पद्धति आ ...

0
Shares
  • 0
  • +
  • 0
  • 0
  • 0
  • 0

Bhavanath Jha

मिथिला आ मैथिलीक लेल सतत प्रयासरत

Related articles More from author

  • Mithilakshar
    मिथिलाक्षर

    मिथिलाक्षर के विकास के लिए सरकारी स्तर पर कार्य करने की आवश्यकता

    May 15, 2020
    By Bhavanath Jha
  • सरोज-सुन्दर
    धरोहरमिथिलाक्षर

    मिथिला की वैदिक एवं तान्त्रिक पाण्डुलिपियों का एक संकलन

    September 8, 2019
    By Bhavanath Jha
  • मिथिलाक आधुनिक विद्वान्मिथिलाक्षर

    डॉ० पं. आमोद झा ‘निर्मोदः’ व्यक्तित्व एवं कर्तृत्व

    May 15, 2020
    By Bhavanath Jha
  • मिथिलाक्षर

    मिथिलाक्षर पढ़बाक अभ्यास-माला- 2

    March 17, 2021
    By Bhavanath Jha
  • ज्योतिष-विचारमिथिलाक्षर

    नाह्निदत्तकृत नाह्निदत्तपञ्चविंशतिकाक व्याख्या

    September 11, 2019
    By Bhavanath Jha
  • Ramanavami Vrat-katha
    पाबनि-तिहारपूजा-पाठमिथिलाक्षर

    मिथिलामे रामनवमी-पूजाक संक्षिप्त विधि, (पाण्डुलिपि सँ सम्पादित)

    September 12, 2019
    By Bhavanath Jha

Leave a reply Cancel reply

अहाँकें इहो नीक लागत

  • इतिहासपाबनि-तिहार

    श्राद्ध और पितृकर्म पर एक खुली बहस- सनातन धर्म हमें जोड़कर रखता है!

  • Gaurishankar Shiva, Hajipur
    इतिहासधरोहरपर्यटन

    Gauri-shankar at Hajipur, हाजीपुरक गौरीशंकर मन्दिरमे मिथिलाक्षरक अभिलेख

  • राजनगर अभिलेख 02
    इतिहास

    महाराज रमेश्वर सिंह का राजनगर कालीमन्दिर शिलालेख-

  • Rama Janma Bhumi in 1902
    इतिहासकंटक-शोधन

    अयोध्या राम जन्मभूमिक संक्षिप्त इतिहास

  • vijaystambha from Karnat dynasty
    इतिहास

    कर्णाटशासक हरिसिंह देवक पलायनक तिथि, सिमरौनगढ़सँ ओ कहिया पड़एलाह?

कॉपीराइट की स्थिति

इस साइट का सर्वाधिकार पं. भवनाथ झा के पास सुरक्षित है। नियम एवं शर्तें लागू

सम्पर्क-

भवनाथ झा, Email: bhavanathjha@gmail.com whatsApp: 9430676240

शैक्षणिक उद्देश्य से कापीराइट की स्थिति

एहि वेबसाइटक सामग्रीक सर्वाधिकार पं. भवनाथ झा लग सुरक्षित अछि। शैक्षिक उद्देश्य सँ सन्दर्भ सहित उद्धरणक अतिरिक्त एकर कोनो सामग्रीक पुनरुत्पादन नहिं करी। जँ कतहु शैक्षिक उद्देश्यसँ सामग्री लेल जाइत अछि तँ ओहि वेबपृष्ठक URL सहित देल जा सकैत अछि।

  • उद्देश्य
  • ई-प्रकाशन
  • लोक-वेद
  • इतिहास
  • मिथिलाक्षर
  • संस्कृत भाषा-शिक्षा
  • वैधानिक
  • पं. भवनाथ झा का परिचय
  • Contact
  • भुगतान एवं पुस्तक प्राप्ति
Copyright: Bhavanath Jha- All rights Reserved, 2021